दरभंगा। खेलो इंडिया योजनाक अंतर्गत दरभंगा जिला मे शीघ्र अंतरराष्ट्रीय स्तरक खेल मैदान आ अन्य खेल अवसंरचनाक निर्माण कार्य शुरू होय बला अछि। एहि दिशा मे स्थानीय सांसद आ लोकसभा मे भाजपा सचेतक डॉ. गोपाल जी ठाकुर दिल्ली मे केंद्रीय खेल एवं युवा मंत्री मनसुख मंडाविया सं भेंट कए दरभंगा मे खेलक ढांचागत विकास पर विस्तार सं चर्चा केलनि।
पहिल चरण मे दरभंगा जिलाक विभिन्न प्रखंड सभक लेल दू दर्जन सं बेसी खेल मैदानक सूची केंद्र सरकार केँ पठाओल गेल अछि। एहि प्रस्तावित मैदान सभ मे मल्टीपरपस हॉल, प्राकृतिक फुटबॉल मैदान, सिंथेटिक एथलेटिक ट्रैक, हॉकी मैदान, ऑलवेदर स्विमिंग पूल, बास्केटबॉल कोर्ट आ अन्य आधुनिक सुविधासभ उपलब्ध होएत। निर्माण कार्यक प्रारंभिक चरण पूरा भेला उपरांत दोसर चरण मे आरो स्थान सभक चयन कएल जाएत।
बैठकक दौरान डॉ. ठाकुर मंत्री मंडाविया केँ मिथिलाक परंपरागत पाग आ अंगवस्त्र भेंट कए सम्मानित केलनि आ हुनका दरभंगा आमंत्रितो केलनि। सांसदक आग्रह पर मंत्री मंडाविया भरोसा देलनि जे बिहार सरकार सं प्राप्त अनुशंसित सूची पर भारत सरकारक खेल मंत्रालय शीघ्र औपचारिकताक प्रक्रिया पूरा कर निर्माण कार्य प्रारंभ करत।
डॉ. गोपाल जी ठाकुर कहलनि जे दरभंगा मे दू विश्वविद्यालय, मेडिकल कॉलेज, इंजीनियरिंग कॉलेज, महिला इंजीनियरिंग कॉलेज, आईटी पार्क आ तारामंडल सन संस्थानक उपस्थिति दरभंगा केँ शैक्षणिक केन्द्र बनबैत अछि। यएह कारण अछि जे देश-प्रदेशक हजारो छात्र-छात्रा एहि नगर मे रहैत छथि। अंतरराष्ट्रीय स्तरक खेल मैदान आ अधुनातन अवसंरचना निर्माण सं स्थानीय युवासभ कें शारीरिक आ मानसिक विकास लेल श्रेष्ठ अवसर प्राप्त होएत। सांसदक अनुसार दरभंगा कें आगामी दिन मे खेल हब रूप मे विकसति करबाक योजना अछि, जे मिथिलाक युवासभ केँ राष्ट्रीय आ अंतरराष्ट्रीय मंच पर उतरत एकटा नव अवसर देत।



