18.5 C
London
Sunday, April 26, 2026

समस्तीपुर मे गाछ खसल, जलमग्न भेल पटना

समदिया, पटना

रविक राति आ सोमक भोर सं रुकि-रुकि कए भेल बरखा कतहु राहति बनि कए आयल तं कतहु एहि सं आफत उत्पन्न भए गेल। बहुत दिन सं बरखाक बाट जोहि रहल मिथिला मे कतौ बूंदाबांदी तं कत्तहु मूसलाधार बरखा भेल अछि। ओना मिथिला क्षेत्र मे ई बरखा अखनहुं अपर्याप्त अछि लोक जल संकट सं जूझि रहल छथि। जहन कि समस्तीपुरक रोसड़ा ब्लॉक रोड पर बीहाड़ि आ बरखा सं एकटा गाछ खसि पड़ल। जाहि सं सड़क जाम भए गेल लोक कें परेशानीक सामना करय पड़ल। जहनकि राज्यक राजधानी पटना मे एहि बरखा सं आफत उत्पन्न भए गेल अछि। पटना जंक्शनक पर सभ तरि पानि भरि गेल। जंक्शनक रेल पटरी सेहो सोम दिन पानि मे डूबल रहल। भारी बरखाक कारण पटना एयरपोर्ट सं कतेको विमान के कैंसिल हेबाक सूचना अछि। पटनाक विधानसभा मे सेहो बरखाक पानि घुसि गेल अछि।

सोमदिन राजधानी पटना मे जनजीवन पूर्ण रूपेण अस्त-व्यस्त भ’ गेल। पटना जंक्शन सहित नगरक कतेको प्रमुख क्षेत्र मे भेल भारी जलजमावक कारण लोक केँ घोर असुविधा झेलए पड़ि रहल अछि। अस्पताल परिसर सभ मे सेहो पानी भरि गेल अछि, जाहिसँ सामान्य लोक केँ चिकित्सा सुविधा धरि पहुँचब सेहो कठिन भ’ गेल अछि। नगर निगम स्रोतक अनुसार पटना मे 150 सँ बेसी मोहल्ला आ कॉलोनी जलजमावक चपेट मे आबि चुकल अछि।

बारिशक उपरांत उत्पन्न भेल जलजमावक स्थिति पटना नगर निगम आ ड्रेनेज व्यवस्थाक लचरता कें बेपर्दा कए देलक अछि। कांग्रेस नेता असित नाथ तिवारी ई आरोप लगौलनि जे नाला आ नाली सभक समुचित सफाई नहि होयबाक कारणें वर्षाजलक निकासी नहि भए सकल, जाहि सं संपूर्ण नगर जलमग्न भए गेल।

एहि आपदा सं नगरक पॉश इलाका सभ सेहो अछूता नहि रहल। कुर्जी, कुम्हरार, टीचर्स कॉलोनी, शांति मार्केट, न्यू पाटलिपुत्रा कॉलोनी, राजीवनगर, पाटलिपुत्रा, शिव शक्ति नगर आ कस्तूरबा कॉलोनी सहित दर्जनों रिहायशी क्षेत्र मे वर्षाजल घर-आंगन धरि पहुंचि गेल। तकर संगहि पटना जंक्शन, डाकबंगला चौराहा, जीपीओ गोलंबर, कंकड़बाग, राजेंद्र नगर, बाजार समिति आ किदवईपुरी सन प्रमुख वाणिज्यिक आ आवासीय क्षेत्र सेहो जलजमाव सं ग्रसित रहल।

बिहार विधानसभा परिसर मे घुसल पानि

पटना मे होइत भारी वर्षाक कारण बिहार विधानसभा परिसर पूर्ण रूप सं जलमग्न भए गेल अछि। समस्त परिसर मे एतेक अधिक जलजमाव भए चुकल अछि जे वाहन सभक आवाजाही सेहो बाधित भए रहल अछि। विधान परिषद दिश जाएबला मार्ग सेहो पानि सं भरि गेल अछि, प्रवेश द्वार पर जलजमावक कारण लोक कें आवागमन मे अत्यधिक परेशानी भेल। नगर निगमक टोली अखन धरि विधान परिषद नहि पहुंचि सकल अछि, जाहि कारण जलनिकासीक कोनो समुचित प्रबंध नहि भए सकल अछि।

राजवंशी नगर सं लए कए स्टेडियम धरि सम्पूर्ण इलाका बाढ़िक स्थिति मे अछि। वाहन बिना सड़क पर पैदल चलब असंभव समान भए गेल अछि। सड़के-पर दू सं तीन फीट धरि पानी भरि गेल अछि, जाहि कारण गाड़ी सभक परिचालन मे भारी बाधा उत्पन्न भए रहल अछि। राजवंशी नगरक विभिन्न स्कूल सभ सेहो जलजमावक चपेट मे आबि गेल अछि। स्कूलक परिसर मे तीन सं चारि फीट धरि पानि जमा भए गेल अछि, जाहि कारण छुट्टीक बाद छात्र-छात्रा सभक बाहर निकलब बहुत कठिन भए रहल छल। सड़क आ नाला एकहि दृश्य मे बदलि गेल अछि।

- Advertisement -spot_imgspot_img
Latest news
- Advertisement -spot_img
Related news

LEAVE A REPLY

Please enter your comment!
Please enter your name here