12 C
London
Thursday, April 23, 2026

आवास बनेबाक लेल गरीब कें मुफ्त मे भेटत बालू : सीएम हेमंत

रांची, समदिया

झारखंड मे बालूक संबंध मे राजनीति सदिखन होइत रहल अछि। मुख्यमंत्री हेमंत सोरेन एहि मुद्दा पर सदन मे एकटा पैघ घोषणा केलनि अछि। पूरक बजट पर चर्चा केलाक बाद ओ कहलनि जे झारखंडक गरीब लोक कें जे आयकर केर क्षेत्र मे नहि अबैत छथि, हुनका सबकें आवास निर्माणक लेल मुफ्त मे बालू उपलब्ध कराओल जायत। ओ कहलनि जे ई मुद्दा बेर-बेर उठैत अछि। अबुआ घर, पीएम घर या व्यक्तिगत घर बनेबा लेल बालू चाही। एकर बोझ गरीब कें सब सं बेसी उठाबय पड़ैत अछि। एहि लेल सरकार आयकर सं बाहर गरीब कें मुफ्त बालू देबाक फैसला केलक अछि।

एहि सं पहिने भाजपा विधायक अनंत ओझाक पूरक बजट पर कटौती प्रस्तावक पक्ष मे बजैत भानु प्रताप शाही बालूक मुद्दा पर सरकार कें घेरबाक प्रयास कयने छलाह। ओ कहलनि जे हाइवा वला एतय सं बालू लए कए निकलि जाइत अछि। मुदा जखन गरीब लोक कें ट्रैक्टर सं घरक लेल बालू भेटैत अछि तं ट्रैक्टर पुलिस जब्त कए लैत अछि। ओ आरोप लगौने छलाह जे राज्य सरकारक कारण झारखंड मे बालू सोना मे बदलि गेल अछि। हेमंत सोरेनक नेतृत्व मे जखन कखनो सरकार बनैत अछि तं झारखंड सं बालू गायब भए जाइत अछि।

एहि बीच भाजपा विधायकक अनुपस्थिति मे 4833.39 करोड़क पूरक बजट धवनिमत सं पारित भए गेल। प्रभारी मंत्री डॉ. रामेश्वर उरांव बतेलनि जे पूरक बजटक जरूरत किएक अछि। ओ कहलनि जे राज्य सरकार मुफ्त बिजलीक प्रावधान कए 125 यूनिट सं बढ़ा कए 200 यूनिट करबाक फैसला केलक अछि। एकरा लेल पाइ चाही। बिजली मीटर लगेबाक प्रक्रिया चलि रहल अछि।

मुख्यमंत्री मईंया सम्मान योजना अंतर्गत सब मास करीब 45 लाख महिला कें 1000 टाका देबय पड़ैत अछि। एकरा लेल 872 करोड़क आवश्यकता अछि। प्री-मैट्रिक आ पोस्ट-मैट्रिक छात्रवृत्ति मे केंद्रीय हिस्सेदारीक बराबर राज्य हिस्सेदारी अंतर्गत पैसा देबाक अछि। आपदा वस्तु पर खर्चक लेल धनक जरूरत अछि। ओ कहलनि जे ई तेसर साल अछि जे रौदी चलि रहल अछि। प्रभारी मंत्री रामेश्वर उरांव कहलनि जे झारखंडक वित्तीय व्यवस्था नीक हालति मे अछि। राज्य सरकार डूबैत कोष मे 2272 करोड़ टका सुरक्षित रखने अछि। एहि सं कम दर पर लोन लेबा मे मदति भेटत। एहि लेल पूरक बजटक कोषागार पर कोनो प्रतिकूल प्रभाव नहि पड़त।

- Advertisement -spot_imgspot_img
Latest news
- Advertisement -spot_img
Related news

LEAVE A REPLY

Please enter your comment!
Please enter your name here