हजारीबाग।
हजारीबाग शहर मे सोमदिन संध्या रोमी सं लए कउ पैगोडा चौक धरि के व्यस्त इलाकामे आवारा कुक्कुर द्वारा लोक पर कएल गेल हमला सं दहशतक वातावरण उत्पन्न भ’ गेल अछि। मात्र तीन-चारि घंटाक अंतराल मे अलग-अलग स्थान पर भ’ गेल एहि घटना मे कुक्कुर सभ लगभग 25 लोककेँ काटि देलक। घायलक संख्या मे महिला, पुरुष आ छोट बच्चा सब शामिल अछि।
प्रत्यक्षदर्शीक कथन अनुसार ई समस्त घटना बहुत तेजी सं अलग-अलग मुहल्ला मे घटल, जाहि सं लोकक बीच भयक स्थिति बनि गेल। सभी पीड़ित लोकनि केँ तत्काळ शेख भिखारी मेडिकल कॉलेज अस्पताल पहुँचाओल गेल, जतए एक संग एतेक कुक्कुर काटल पीड़ित सबके देखैत डाक्टर आ मेडिकल स्टाफ केँ उपचार मे काफी कठिनाईक सामना करय पड़ल।
पीड़ित सभकेँ अस्पताल मे रैबीजक टीका देल गेल अछि। अस्पताल प्रशासनक अनुसार, कतेको लोककेँ प्राथमिक उपचारक उपरांत घर पठाओल गेल अछि, मुदा किछुकक स्थिति गंभीर होएबाक कारणसँ ओ सभ अस्पतालक निगरानी मे राखल गेल छथि।
एहि घटनाक पश्चात स्थानीय नागरिकक बीच नगर निगम प्रशासन प्रति आक्रोश व्याप्त भ’ गेल अछि। लोकक कहब अछि जे शहर मे आवारा कुक्कुरक संख्या निरंतर बढ़ैत जा रहल अछि, मुदा निगम द्वारा ठोस पहल नहि कएल जा रहल अछि। लोक सभक मांग अछि जे नगर निगम विशेष अभियान चला क’ एहि कुक्कुर सभकेँ पकड़य आ शहरवासी केँ सुरक्षित वातावरण प्रदान करय।
एहि संबंध मे नगर निगमक सहायक आयुक्त अनिल पांडे कहलनि— “नगर निगम आवारा कुक्कुरक विरुद्ध लगातार अभियान चलबैत रहल अछि। मामला प्रकाश मे आबि चुकल अछि, फेर सं अभियान चला क’ कुक्कुर सभकेँ पकड़ल जाएत।”



