18.5 C
London
Sunday, April 26, 2026

317 करोड़क लागत सं दरभंगा, सीतामढ़ी सहित पांच जिला मे बनत डेयरी प्लांट

पटना। मुख्यमंत्री नीतीश कुमारक अध्यक्षता मे मंगलदिन संपन्न राज्य मंत्रिमंडल केर बैठक मे डेयरी क्षेत्र केँ सुदृढ़ बनेबाक दिशा मे एकटा महत्वपूर्ण निर्णय लेलक अछि। एहि निर्णयक अंतर्गत राज्यक पाँच जिलासभ—दरभंगा, रोहतास, गया, सीतामढ़ी आ गोपालगंज मे नवीन डेयरी प्लांट खोलबाक प्रस्ताव केँ स्वीकृति देल गेल अछि। एहि परियोजना पर कुल 317 करोड़ टाका व्यय होयबाक अनुमान अछि। मंत्रिमंडल बैठकक उपरांत कैबिनेटक अपर मुख्य सचिव डॉ. एस. सिद्धार्थ जानकारी दैत कहलनि जे उपरोक्त प्लांट सभ मे एकटा विशेष प्लांट सेहो होयत जतय मिल्क पाउडर निर्माण कएल जाएत।

एहि संगहि, राज्य मे सफाई आयोग केर गठन केर प्रस्ताव केँ सेहो स्वीकृति देल गेल अछि। सरकार द्वारा संचालित लगभग सवा लाख आंगनबाड़ी केंद्रसभ लेल उपकरण, फर्नीचर आ आवश्यक बर्तन क्रय हेतु 115 करोड़ टाका स्वीकृत कएल गेल अछि।

- Advertisement -spot_imgspot_img
Latest news
- Advertisement -spot_img
Related news

LEAVE A REPLY

Please enter your comment!
Please enter your name here