14.7 C
London
Sunday, April 26, 2026

इलेक्ट्रॉनिक डिवाइस संग परीक्षार्थी गिरफ्तार, प्रश्न पत्र लीकक साजिश बेपर्दा

मधुबनी, समदिया

जिला अंतर्गत राजनगर प्रखंड स्थित रामेश्वर +2 उच्च विद्यालय मे बुधदिन आयोजित बिहार पुलिस पिटीआई लिखित परीक्षा मे एक गंभीर मामिला उजागर भेल अछि। परीक्षा शुरू होए सं पूर्व सुरक्षा जांचक क्रम मे एक परीक्षार्थी प्रशांत कुमार, पिता टुनटुन यादव, ग्राम नयागांव परबत्ता टोल, वार्ड संख्या 11, जिला खगड़िया निवासी, के गार्द लगाओल गेल जकर कंघा के कॉलर मे इलेक्ट्रॉनिक डिवाइस छिपाओल भेटल। ओ परीक्षा केंद्र मे प्रवेश पत्र देखाकय भीतर घुसि रहल छल।

ओहि सं संबंधित एक दोसर युवक सौरभ कुमार, पिता हितेश कुमार, ग्राम मुरादपुर, वार्ड संख्या 11, खगड़िया जिला निवासी के सेहो परीक्षा हॉल सं बाहर धराओल गेल, जे प्रश्न पत्र के जानकारी बाहर पहुंचेबाक योजना मे संलग्न छल। ई जानकारी भेटते राजनगर थानाध्यक्ष सचिन कुमार दल-बल संग परीक्षा केंद्र पहुंचलाह आ दुनू युवक के हिरासत मे लैत पूछताछ शुरू कय देल गेल अछि।

मौका पर सदर 2 एसडीपीओ खजौली सेहो पहुंचि घटनाक जानकारी लैत आवश्यक निर्देश देने छथि। प्रधानाध्यापिका विभा कुमारी अनुसार प्रवेश पत्र सं जांच के क्रम मे प्रशांत कुमार के कॉलर मे इलेक्ट्रॉनिक उपकरण भेटल। पुलिस ओहि उपकरण के जब्त कय लेने अछि आ पूरा मामिलाक तह तक पहुंचबाक प्रयास मे लागि गेल अछि। परीक्षा केंद्र पर कुल 565 परीक्षार्थी के शामिल होयबाक अनुमान छल, जाहिमे सं 469 उपस्थित रहलाह।

- Advertisement -spot_imgspot_img
Latest news
- Advertisement -spot_img
Related news

LEAVE A REPLY

Please enter your comment!
Please enter your name here