14.7 C
London
Sunday, April 26, 2026

लालू यादव कें सुप्रीम कोर्ट सँ लागल झटका, नोकरीक बदला जमीन मामिलामे कार्यवाही पर रोक लगेबा सं केलक मना

नई दिल्ली, एजेंसी

नोकरीक बदला जमीन प्रकरण मे राष्ट्रीय जनता दल (राजद) केर अध्यक्ष आ पूर्व मुख्यमंत्री लालू प्रसाद यादव कें सुप्रीम कोर्ट सं फेर एक बेर झटका लागल अछि। सर्वोच्च न्यायालय लालू यादव द्वारा निचला अदालतक कार्यवाही पर रोक लगेबाक याचिका कें अस्वीकृत कए देलक। न्यायालय बुधदिन लालू प्रसादक याचिका पर सुनवाई करैत ई स्पष्ट केलक जे एहि विषय पर दिल्ली उच्च न्यायालय मे पहिनहिं याचिका लंबित अछि, ताहि लेल सर्वोच्च न्यायालय एहि मे हस्तक्षेप नहि करत।

लाइव लॉ केर रिपोर्ट अनुसार, लालू यादवक पक्ष सं अधिवक्ता मुदित गुप्ता द्वारा सुप्रीम कोर्ट मे याचिका दायर कएल गेल छल, जाहि मे ट्रायल कोर्टक  कार्यवाही कें 12 अगस्त धरि स्थगित करबाक मांग कएल गेल छल। न्यायमूर्ति एमएम सुंदरेश आ न्यायमूर्ति एन. कोटिश्वर सिंहक पीठ एहि पर विचार करैत कहलक जे निचला अदालत द्वारा आरोप तय करबाक प्रक्रिया उच्च न्यायालय मे लंबित याचिकाक निर्णय पर निर्भर करैत अछि। संगहि ई सेहो कहल गेल जे एक बेर आरोप तय भए जाएत, तं उच्च न्यायालय मे लंबित याचिका स्वतः निष्प्रभावी भए जायत।

ज्ञातव्य अछि जे 18 जुलाई कें सेहो सुप्रीम कोर्ट एहि मामिला पर रोक लगेबाक मांग कें अस्वीकार कए देने छल। ओहि समय लालू यादव द्वारा दिल्ली हाई कोर्टक ओहि निर्णय कें चुनौती देल गेल छल, जाहि मे निचला अदालत द्वारा मुकदमा चलेबा पर रोक लगेबाक मांग कें खारिज कएल गेल छल।

मुद्दा की अछि?
ई मामिला 2004 सं 2009 के बीचक अछि, जखन लालू प्रसाद यादव केंद्र मे रेल मंत्री छलाह। आरोप अछि जे ओहि कालखण्ड मे रेलवे मे ग्रुप डी केर पद पर नियमविरुद्ध ढंग सं लोक कें नोकरी देल गेल आ बदला मे लालू यादवक परिवार आ हुनकर निकटक लोकक नाम पर जमीन लिखवा लेल गेल। सीबीआई द्वारा एहि मामिलाक जांच जारी अछि आ दिल्ली स्थित राउज एवेन्यू कोर्ट मे अभियुक्त सभक विरुद्ध चार्जशीट दाखिल कएल जा चुकल अछि।

- Advertisement -spot_imgspot_img
Latest news
- Advertisement -spot_img
Related news

LEAVE A REPLY

Please enter your comment!
Please enter your name here