14.7 C
London
Sunday, April 26, 2026

देवघर एम्सक पहिल दीक्षांत समारोह मे राष्ट्रपति एमबीबीएस छात्र सभकें सौंपलनि डिग्री

देवघर।

राष्ट्रपति द्रौपदी मुर्मू बृहस्पति  दिन देवघर एम्सक पहिल दीक्षांत समारोह मे सहभागी बनबाक लेल देवघर पहुंचली। देवघर विमानस्थल पर झारखंडक राज्यपाल संतोष गंगवार, मंत्री दीपिका पांडेय सहित आन गणमान्य व्यक्तिक द्वारा हुनकर स्वागत कएल गेल। निर्धारित कार्यक्रमक अनुसार ओ अपराह्न तीन बजे समारोह स्थल पर उपस्थित भेली।

दीक्षांत समारोहक उपरांत संध्या काल ओ पुनः देवघर विमानस्थलकें  लेल रवाना भेली। हुनकर विमान संध्या 5 बजि कए 25 मिनट पर रांचीक बिरसा मुंडा विमानस्थल पर उतरल। राष्ट्रपति रांची स्थित राजभवन मे रात्रि विश्राम केलीह। आइ 1 अगस्तक प्रातः 9 बजि कए 30 मिनट पर राष्ट्रपति रांची सं पश्चिम बंगालक दुर्गापुर लेल प्रस्थान करतथि।

दुर्गापुर सं ओ हेलिकॉप्टर द्वारा धनबाद जेतीह, जतय प्रातः 11 बजि कए 10 मिनट पर इंडियन इंस्टीट्यूट ऑफ टेक्नोलॉजी (आईआईटी) धनबादक 45म दीक्षांत समारोह मे सहभागिता करतथि। तत्पश्चात ओ दिनक 3 बजि कए 20 मिनट पर पुनः दुर्गापुर वापस जएतथि आ ओहि दिन दिल्ली प्रस्थान करतथि।

एम्स ऑडिटोरियम मे छात्र-छात्राकें देल गेल मेडल

राष्ट्रपति देवघर एम्स परिसर स्थित ऑडिटोरियम मे आयोजित दीक्षांत समारोहकें संबोधित करैत एमबीबीएस छात्र-छात्राकें मेडल आ डिग्री प्रदान केलनि। समारोह मे झारखंडक स्वास्थ्य मंत्री डॉ. इरफान अंसारी सेहो उपस्थित छलाह। 2019 बैचक 48 छात्र-छात्राकें डिग्री देल गेल, जाहि मे एक-एक छात्र केँ राष्ट्रपति द्वारा स्वर्ण, रजत आ कांस्य पदक प्रदान कएल गेल।

धनबाद मे तैयारीक निरीक्षण

धनबादक जिलाधिकारी-सह-जिला दंडाधिकारी आदित्य रंजन बुधदिन आईआईटी-आईएसएम पहुँचिकय दीक्षांत समारोहक तैयारीक निरीक्षण केलनि।

रांची मे 1500 अतिरिक्त जवान तैनात

राष्ट्रपति मुर्मूक आगमनक अवसर पर देवघर, रांची आ धनबाद जिलासभ मे सुरक्षा व्यवस्था सुदृढ़ कएल गेल अछि। तीनू जिलामे ट्रैफिकक दिशा सेहो परिवर्तित कएल गेल अछि। विशेष रूप सं रांची मे 1500 अतिरिक्त सुरक्षा जवान तैनात कएल गेल अछि। जिला बलक अतिरिक्त झारखंड सशस्त्र बल (जैप), भारतीय रिजर्व बटालियन (आईआरबी), रैपिड एक्शन फोर्स आ होमगार्डक जवान तैनात छथि। राष्ट्रपति द्वारा भ्रमण कएल जाएबला स्थलसभ आ राजभवनक चारूकात सुरक्षा व्यवस्था अभेद्य बनाओल गेल अछि। सम्पूर्ण मार्ग पर तीन स्तरक सुरक्षा घेराबंदी कएल गेल अछि। निगरानी हेतु सीसीटीवी कैमरा आ ड्रोनक प्रयोग सेहो होइत अछि।

- Advertisement -spot_imgspot_img
Latest news
- Advertisement -spot_img
Related news

LEAVE A REPLY

Please enter your comment!
Please enter your name here