14.7 C
London
Sunday, April 26, 2026

बंसबिट्‌टी मे गढ़ल जा रहल अछि देशक भविष्य

बिस्फी, समदिया

बिस्फी प्रखण्डक तीसी नरसाम उतरी पंचायत स्थित नवसृजित प्राथमिक विद्यालय, रामसागर टोल मे अध्ययनरत बाल-बालिका सभ बहुत दयनीय परिस्थिति मे शिक्षार्जन कए रहल छथि। एहि विद्यालय मे नामांकित छात्र-छात्रा सभ कें बंसबिट्‌टी मे पढ़ए पड़ैत अछि, कारण जे विद्यालयक अपन कोनो भवन अखन धरि बीतल दू दशक बादो धरि निर्मित नहि भए सकल अछि।

उल्लेखनीय अछि जे वर्ष 2006 मे राज्य सरकार द्वारा अनुसूचित जातिक टोल मे एहि विद्यालयक स्थापना भेल छल। शिक्षिक लोकनिक नियोजन सेहो कएल गेल आ नामांकनक प्रक्रिया पूर्ण कए विद्यालयक संचालन शुरू भेल। मुदा स्थापना सं लए कए आइ धरि विद्यालय अपन भवन सं वंचित अछि, जाहि सं विद्यालय संचालन मे निरंतर बाधा उत्पन्न भए रहल अछि।

स्थानीय निवासी रामचन्द्र पासवान अपन स्तर सं सहयोग देलनि, विद्यालय भवन निर्माणक उद्देश्य सं दू कट्ठा जमीन राज्यपालक नाम पर दानस्वरूप रजिस्ट्री कए देलनि। मुदा, अफसोसक बात ई अछि जे एतबा प्रयासक बादो भवन निर्माणक दिशा मे प्रशासन द्वारा कोनो ठोस डेग नहि उठाओल गेल।

 

गर्मी मे शिक्षक आ छात्रक स्थिति भए जाइत अछि बेहाल

एहि विद्यालयक संचालन एकटा झोपड़ीनुमा कच्चा घर मे कएल जा रहल अछि। गर्मी मे तं स्थिति आर विकट भए जाइत अछि, जतय बच्चा सभ बंसबिट्‌टीक छाहरि मे जमीन पर दरी बिछा कए पढ़ए लेल विवश रहैत अछि। संसाधनक घोर अभाव अछि। विद्यालय मे ने बेंच अछि, ने डेस्क आ ने कोनो अन्य न्यूनतम शैक्षणिक सामग्री।

भवन लेल कतेको बेर लिखल गेल मुदा नहि निकलल परिणाम

विद्यालयक प्रधान शिक्षक कहलनि जे भवन निर्माणक मांग लेल प्रखण्ड कार्यालय, सर्व शिक्षा अभियान आ अन्य संबद्ध पदाधिकारी सभ कें कतेको बेर लिखित निवेदन पठाओल गेल, संगहि ई-शिक्षाकोष पोर्टल पर जानकारी अपलोड सेहो कएल गेल। मुदा प्रशासनिक उपेक्षा एतेक गहिंर अछि जे आइ दिन धरि ओहि सं कोनो सार्थक परिणाम नहि निकलि सकल।

मधुबनी जिला, जतय शिक्षा संस्कृति आ साहित्यक गहिंर जड़ि अछि, से जिला आइ सरकारी विद्यालयक बदहाल व्यवस्थाक कारण चर्चाक विषय बनि गेल अछि। कतेको प्रखंड मे विद्यालय भवन ध्वस्त अछि, शिक्षकक संख्या अपर्याप्त अछि आ छात्र-छात्रा बिनु पुस्तकक, डेस्क-बेंच वा शौचालयक समुचित व्यवस्था कें पढ़ए लेल विवश छथि।

 

… एना मे कोना होयत राष्ट्रक निर्माण

शिक्षाक ऐतिहासिक गढ़ मानल जायवला मधुबनी मे जखन बच्चा सभकें बंसबिट्‌टीक छाहरि मे पढ़य पड़ए, तं ई केवल सरकारी उदासीनता नहि, अपितु सामाजिक चेतनाशून्यता कें सेहो दर्शबैत अछि। शिक्षा अधिकार अधिनियमक अंतर्गत जे बुनियादी सुविधा उपलब्ध होमक चाही, ओ सब बेअसर भेल अछि। आवश्यकता अछि जे शिक्षा विभाग, पंचायती राज विभाग आ प्रखण्ड प्रशासन मिलि कए तत्काल प्रभाव सं भवन निर्माण प्रक्रिया शुरू करए। नहि तं एहन दुर्दशा मे पढ़ि रहल पीढ़ी सं हम की आशा राखब जे ओ भविष्य मे राष्ट्रक निर्माण कए सकत?

 

- Advertisement -spot_imgspot_img
Latest news
- Advertisement -spot_img
Related news

LEAVE A REPLY

Please enter your comment!
Please enter your name here