14.7 C
London
Sunday, April 26, 2026

भयावह सड़क दुर्घटना, लखीसराय मे तीन इंजीनियरिंग छात्रक मृत्यु

लखीसराय, समदिया

जमुई-लखीसराय मुख्य पथ पर मंझवे गाम लग ‘कोनीपर’मुख्य सड़क समीप एकटा हृदयविदारक सड़क दुर्घटना घटल अछि। सीएनजी ऑटो आ ठाढ़ ट्रकक बीच भयंकर टक्कर भेला सं इंजीनियरिंग सं संबंधित तीन गोट छात्रक घटनास्थले पर मृत्यु भए गेल अछि। प्राप्त सूचना अनुसार, एहि सभ छात्रक परीक्षा काल्हिए समाप्त भेल छल, जकर बाद ओ सभ अपन घर जेबा लेल लखीसराय रेलवे स्टेशन दिस जा रहल छलाह।

जानकारी अनुसार अहल भोरे शिवसोना गाम स्थित इंजीनियरिंग कॉलेज सं तीन गोट छात्र आ गामक दोसर दू गोट युवक लखीसराय सं सबेरे छह बजे ट्रेन पकड़बाक विचार सं सीएनजी ऑटो पर सवार भए कए प्रस्थान केने छलाह। ऑटो मे कुल मिलाकय छह गोटे सवार छलाह।

ठाढ़ ट्रक सं सीधा टक्कर

कॉलेज सं करीब सात किलोमीटर दूर स्थित मंझवे आ नोनगढ़ गामक बीच सड़क कात ठाढ़ ट्रक सं सीएनजी ऑटो सीधा जा टकरायल। एहि जोरदार टक्कर मे शिवसोना इंजीनियरिंग कॉलेज सं पढ़ैत तीन छात्रक घटनास्थले पर मृत्यु भए गेल, जहनकि ऑटो चालक आ दू अन्य छात्र खद्धा मे खसि गेला सं प्राणरक्षा भए गेल।

सीमा विवाद मे फंसल पुलिस

घटनाक जानकारी भेटिते तेतरहाट थानाध्यक्ष मृत्युंजय कुमार अपन दल-बल संग घटनास्थल पर पहुंचलाह। मुदा दुर्घटनास्थल लखीसराय आ जमुई जिलाक सीमा पर स्थित हेबाक कारण दुनू जिलाक पुलिस बीच सामंजस्य नहिं बनल रहय आ मृतक सभक शव उठेबा मे टाल-मटोल देखल गेल।

एकरब बाद आपसी सहमति सं मृत छात्र सभक शव कें जमुई सदर अस्पताल पोस्टमार्टम लेल पठाओल गेल। घायल कें उपचारार्थ लखीसराय अस्पताल मे भर्ती कैल गेल अछि।

एहि संबंध मे तेतरहाट थाना प्रभारी मृत्युंजय कुमार जनौलनि जे ई दुर्घटना लगभग भोर पांच बजे सं पहिने घटित भेल। मृत छात्रक पहिचान समस्तीपुर जिलाक पंकज कुमार, सरोज कुमार तथा नालंदा जिलाक साहिल कुमारक रूप मे भेल अछि। सीएनजी ऑटो अत्यधिक तीव्र गति सं चलि रहल छल। मंझवे आ नोनगढ़ गामक बीच हाइवे पर ठाढ़ ट्रक सं टकरा गेला सं एहि भीषण दुर्घटना मे तीन छात्रक मृत्यु भए गेल अछि। तीनू मृत छात्र शिवसोना इंजीनियरिंग कॉलेजक छात्र छलाह।

ई दुर्घटना राज्य मे सड़क सुरक्षा व्यवस्थाक प्रति गंभीर प्रश्न ठाढ़ करैत अछि। तेज गति, सड़क कात अवैध रूप सं ठाढ़ गाड़ी आ सीमावर्ती इलाका मे पुलिसक समन्वयहीनता, सब किछु मिलि कए ई दुर्घटना जन्य त्रासदी कें जन्म देलक। मृत छात्रक परिवार लेल ई एक अपूरणीय क्षति अछि आ सरकार आ जिला प्रशासन सं अपेक्षा अछि जे सड़क सुरक्षा हेतु ठोस आ प्रभावी उपाय शीघ्रतासं कएल जायत।

- Advertisement -spot_imgspot_img
Latest news
- Advertisement -spot_img
Related news

LEAVE A REPLY

Please enter your comment!
Please enter your name here