14.7 C
London
Sunday, April 26, 2026

पटना मे दिन-देखाड़ घर मे घुसि कए दू बच्चा कें जिंदा जराओल गेल

पटना, समदिया

पटना सं एकटा अति भयावह आ हृदय विदारक घटना प्रकाश मे आयल अछि। जखन जानीपुर थाना क्षेत्र स्थित एकटा घर मे घुसिकय अपराधी सभ दू मासूम बच्चाकें जिंदा जरा देलक। मृत बच्चा सभक माता पटना एम्स मे गार्ड छथि। जहनकि पिता पटना स्थित चुनाव आयोगक कार्यालय मे एहि वीभत्स घटना सं पूरा परिवार शोकमग्न अछि आ स्थानीय समाज मे गहिंर आक्रोश देखल जा रहल अछि। सूचना भेटिते कतेको थानाक पुलिस बल घटनास्थल पर पहुंचल।

प्राप्त जानकारी अनुसार, मृत बच्चा सभक पहिचान अंजलि आ अंशक रूप मे कैल गेल अछि। ई कहल जा रहल अछि जे दुनू बच्चा स्कूल सं वापस आयल छल, तकर तुरंत बाद ई भयावह घटना घटित भेल। यद्यपि बच्चासभक मृत्युक सटीक कारण अखन धरि स्पष्ट नहि भए सकल अछि। संदेह अछि जे ई दुर्घटना अछि अथवा पूर्व नियोजित हत्या।

उपलब्ध वीडियो मे देखल जा रहल अछि जे एकटा बच्चाक शव पलंग पर पड़ल अछि, जकर मुंह पर कपड़ा बान्हल अछि। पुलिस सभ संभव एंगल सं जांच मे लागल अछि। घटनाकें लए कए स्थानीय लोक आक्रोशित छथि। कहल जा रहल अछि जे आसपासक लोकसभ कें सेहो बहुत देर बाद एहि घटनाक जानकारी भेटल।

मृत बच्चासभक पिता ललन कुमारक कहब अछि जे पहिने दुनू बच्चाक हत्या कैल गेल, एकर बाद घर कें आगि लगाओल गेल।

विपक्षक नेता तेजस्वी यादव एहि वीभत्स घटनाकें लए कए बिहार सरकार पर तीव्र प्रहार केलनि अछि। ओ एक्स (पूर्व ट्विटर) पर लिखलनि जे पटना मे सत्ता संरक्षित अपराधी सभ घर मे घुसिकय नर्सक दू नाबालिग पुत्र कें जिंदा जरबैत अछि। अपराधी सभक हिम्मत एतेक बढ़ि गेल अछि जे आब घर, कार्यालय, अस्पताल कत्तहु कियो सुरक्षित नहि। मुख्यमंत्री अचेत छथि, अपराधी सचेत!

लगपासक लोक मे आक्रोश

घटना सं आहत पड़ोसीसभ अपन संवेदना प्रकट करैत राज्यक विधि-व्यवस्था पर गंभीर प्रश्न उठा रहल छथि। राजधानी मे एहन वीभत्स घटनाक सरेआम अंजाम भेनाय राज्यक सुरक्षा प्रणाली पर सीधा सवाल ठाढ़ करैत अछि। आमजन आब एहि प्रश्न पर गंभीरता सं विचार कए रहल अछि जे बिहार मे अपराधी सभ एतेक निडर आ बेलगाम कोना भए गेल? ई संपूर्ण प्रकरण ने केवल मासूम जीवनक नृशंस हरण थिक, बल्कि ई सरकारक कार्यक्षमता, महिला सुरक्षाक दावा आ विधि-व्यवस्थाक वास्तविक स्थिति कें बेपर्दा करैत अछि। अब देखबाक बात ई अछि जे प्रशासन एहि गंभीर अपराध पर कोन प्रतिक्रिया दैत अछि आ न्याय प्रक्रिया केतबे शीघ्रतासं पूरा होइत अछि।

- Advertisement -spot_imgspot_img
Latest news
- Advertisement -spot_img
Related news

LEAVE A REPLY

Please enter your comment!
Please enter your name here