पटना, समदिया
राजधानी पटना स्थित अखिल भारतीय आयुर्विज्ञान संस्थान (एम्स) मे शनिदिन रेजिडेंट डॉक्टर सभ अचानक हड़ताल पर चलि गेलाह। ओहि अस्पतालक चिकित्सक आ सुरक्षाकर्मी सभक आरोप छनि जे शिवहरसं विधायक चेतन आनंद द्वारा सुरक्षा कर्मचारी सं माइरपीट कएल गेल आ ड्यूटी पर तैनात चिकित्सक कें जान सॅं मारबाक धमकी देल गेल।
एम्सक रेजिडेंट डॉक्टर सभ चेतन आनंदक विरुद्ध प्राथमिकी दर्ज करबाक मांग केने छथि। एहि सापेक्ष विधायक चेतन आनंद सेहो फुलवारी थानामे एम्सक स्टाफ विरुद्ध मारपीट आ बंधक बनेबाक आरोपमे लिखित शिकायत दए चुकल छथि।
रेजिडेंट डॉक्टर्स एसोसिएशन (आरडीए) अस्पतालक मेडिकल अधीक्षक कें पत्र लिखिकय हड़तालक जानकारी देलक। हुनकर सभक कहब अछि जे 30 जुलाइक राति लगभग 11 बजे ट्रॉमा सेंटर परिसर मे विधायक चेतन आनंद, हुनकर पत्नी डॉ. आयुषी सिंह तथा हथियार सं लैस अंगरक्षक जबरदस्ती परिसर मे प्रवेश कएलक। एकर बाद सुरक्षाकर्मी सभ संग माइरपीट कएल गेल तथा चिकित्सक सभ कें हथियार देखाकय धमकी देल गेल।
डॉक्टर सभक कहब अछि जे एतेक गंभीर घटनाक बादो विधायक विरुद्ध कखनहुं एफआईआर दर्ज नहि भेल। ओ एम्स प्रशासनक निष्क्रियता पर प्रश्न उठौने छथि आ कहने छथि जे अस्पताल स्टाफक सुरक्षा लेल कोनो प्रभावकारी उपाय नहि कएल गेल। रेजिडेंट डॉक्टर सभक चेतावनी अछि जे जाबत धरि चेतन आनंद, हुनकर पत्नी आ अंगरक्षक विरुद्ध प्राथमिकी दर्ज नहि होइत अछि आ अस्पताल मे समुचित सुरक्षा व्यवस्था नहि होइत अछि, ताबत धरि हड़ताल जारी रहत। जं मांग पर ध्यान नहि देल जाएत, तं ओ इमरजेंसी सेवा सेहो बंद कएल जा सकैत अछि।
विधायक चेतन आनंद अपन पक्ष मे कहने छथि जे ओ अपने पत्नी संग एम्स मे अंकित शर्मा नामक परिचित सं भेंट करए गेल छलाह, जतए रेजिडेंट डॉक्टर आ सुरक्षाकर्मी संग कहासुनी आ विवाद भेल। एम्स प्रशासन विधायक पर हमला करबाक बात कें खंडन कएलक अछि।



