14.7 C
London
Sunday, April 26, 2026

डंकी रूट सं अमेरिका पठाबै वला अंतरराष्ट्रीय गिरोहक भंडाफोड़

हजारीबाग।

हजारीबाग पुलिस एकटा अंतरराष्ट्रीय मानव तस्करी गिरोहक भंडाफोड़ केलक अछि, जे अवैध रूप सं लोक कें अमेरिका भेजबाक काज करैत छल। ई गिरोह ‘डंकी रूट’ नामक खतरनाक मार्ग सं लोक केँ अमेरिका पठबैत छल। पुलिस एही मामिला मे गिरोहक मास्टर माइंड उदय कुमार कुशवाहा समेत कुल पांच अभियुक्त कें गिरफ्तार केलक अछि।

उदय कुमार कुशवाहा मूल रूप सं हजारीबाग जिलाक टाटीझरिया गामक रहयवाला अछि, जे विगत 45 वर्ष सं अमेरिका मे रहि रहल छल। ओतए ओ अपन व्यवसाय संचालन करैत छल आ अमेरिकाक नागरिकता प्राप्त कए लेलक छल, संगहि ओकरा लग ओवरसीज सिटीजनशिप कार्ड (ओसीआई) सेहो उपलब्ध छल।

शिकायत सं भेल पर्दाफाश, 12 लोक कें अमेरिका पठाओल गेल

एहि पुरा मामिला कें पर्दाफाश सोनू कुमार नामक युवकक लिखित शिकायत सं भेल, जे अमेरिका मे अवैध रूप सं रहबाक आरोप मे गिरफ्तार भेल छल आ चारि मासक डिटेंशन उपरांत भारत डिपोर्ट कयल गेल। सोनू अपन भारत वापसीक उपरांत हजारीबाग पुलिस सं सम्पर्क कएलक आ सम्पूर्ण प्रकरणक विस्तृत जानकारी देलक।

पुलिस जांच सं पता चलल जे उदय कुमार कुशवाहा लोक कें नौकरीक झांसा दैत छल आ फेर ओकरा ‘डंकी रूट’ केर माध्यम सं ब्राजील, पेरू, कोलंबिया, पनामा, ग्वाटेमाला आ अन्ततः अमेरिका पहुंचा दैत छल। एहि प्रक्रिया मे ओ प्रति व्यक्ति लाखो टका वसूल करैत छल। जांच मे एखन धरि कुल 12 लोक कें अमेरिका पठाओल गेल अछि।

पुलिस अनुसार सोनू कें उदय कुमारक संबंधी सब सं दिल्ली सं ब्राजील पठाओल गेल। ओतए सं पेरू, कोलंबिया, पनामा होते ग्वाटेमाला पहुंचाओल गेल, जतए ओकरा 50 दिन धरि स्थानीय माफिया केर कब्जा मे राखल गेल। ई अवधि मे केवल एक समयक भोजन देल जाइत छल आ ओकरा कंटेनर मे नुका कए राखल जाइत छल।

एहि दौरान उदय कुमार, सोनू कुमारक पिता सं ओकर रिहाईक बदला मे 45 लाख टका केर मांग केलक। पीड़ित परिवार ई राशि चुकता सेहो कए देलक, तदोपरांत अमेरिका सीमा पर सोनू केँ गिरफ्तार कए डिटेंशन सेंटर मे राखल गेल, जाहि उपरांत ओकर भारत मे डिपोर्ट कएल गेल।

अन्य अभियुक्त सेहो धराओल, छापेमारी जारी

हजारीबाग एसपी अंजनी अंजन पत्रकार सभ केँ जानकारी दैत कहलनि जे उदय कुमारक अतिरिक्त दर्शन प्रसाद, लालमोहन प्रसाद, चौहान प्रसाद आ शंकर प्रसाद नामक चारि सहयोगी अभियुक्त केँ सेहो पुलिस गिरफ्तार केलक अछि। गिरोहक अन्य संलग्न सदस्य सभक तलाश मे लगातार छापेमारी चलि रहल अछि।

 

- Advertisement -spot_imgspot_img
Latest news
- Advertisement -spot_img
Related news

LEAVE A REPLY

Please enter your comment!
Please enter your name here