14.7 C
London
Sunday, April 26, 2026

लूटक विरोध केला पर युवक कें गोली मारि कए हत्या

बोकारो।

जिलाक माराफारी थाना क्षेत्र अंतर्गत बांसगोड़ा गाम मे शनि देर राति एक जुआ अड्डा पर नकाबपोश अपराधी सभ द्वारा सशस्त्र हमला कयल गेल, जाहिमे लूटपाटक दौरान विरोध करय पर मंटू दास नामक युवक कें गोली मारल गेल, जाहिसं ओकर घटनास्थले पर मृत्यु भ’ गेल। ई घटना रातिक समय भेल जखन लगभग एक दर्जन लोक जुआ खेलैत छल।

प्रत्यक्षदर्शीक अनुसार चारि गोट नकाबपोश अपराधी दू मोटरसाइकिल पर सवार भ’ क’ घटनास्थल पर पहुँचलाह। ओ सभ हथियार सं लैस छलाह आ जुआ खेलि रहल सभ केँ एकटा कोठरी मे बंद क’ देलनि। तत्पश्चात अपराधी सभ लूटपाट प्रारंभ कयलनि।

मंटू दासक गला सं चेन छीनेक प्रयास कयल गेल, मुदा ओ विरोध कएलनि, जाहिके फलस्वरूप अपराधी सभ हुनका पर गोली चला देलक। गोली लागलाक बाद मंटू दास गंभीर रूपेँ घायल भ’ गेलाह आ बाद मे हुनकर मृत्यु भ’ गेल। लूटपाटक उपरांत समस्त अपराधी सभ बाइक सं फरार भ’ गेलाह।

घटना केर सूचना भेटिते माराफारी थाना पुलिस घटनास्थल पर पहुंचि क’ मृतकक शव केँ कब्जा मे ल’ बीजीएचक शवगृह (मॉर्चरी) मे पठाओल। मृतकक परिजन कानि-कानि क’ बेहाल छथि। परिजजनक कथन अनुसार मंटू दास केँ एकटा गोली लागल छल।

बोकारो मुख्यालयक डीएसपी अनिमेष कुमार गुप्ता जनौलनि जे समूचा मामला केँ गंभीरतापूर्वक अनुसंधान कयल जा रहल अछि। ओ कहलनि जे जल्दिए अपराधी सभ केँ चिन्हि क’ गिरफ्तारी सुनिश्चित कयल जाएत। डीएसपी ईहो कहलनि जे क्षेत्र मे संचालित जुआ अड्डा सभ पर पूर्वसँ पुलिसक निगरानी अछि, आ एहि प्रकारक अवैध गतिविधि पर रोक लगाबय लेल लगातार छापेमारी अभियान जारी रहत।

- Advertisement -spot_imgspot_img
Latest news
- Advertisement -spot_img
Related news

LEAVE A REPLY

Please enter your comment!
Please enter your name here