14.7 C
London
Sunday, April 26, 2026

बिहारक नव मुख्य सचिव बनताह प्रत्यय अमृत, अमृत लाल मीणाक लेताह देताह स्थान

पटना, समदिया

आगामी विधानसभा चुनाव सं पूर्व बिहार प्रशासन मे महत्वपूर्ण फेरबदल भेल अछि। भारतीय प्रशासनिक सेवाक 1991 बैचक अधिकारी आ वर्तमान विकास आयुक्त प्रत्यय अमृत 1 सितंबर 2025 सं राज्यक नव मुख्य सचिव पद ग्रहण करताह। ओहि सं पूर्व, हुनका मुख्य सचिव कार्यालय मे विशेष कार्य पदाधिकारी (ओएसडी) केर अतिरिक्त दायित्व देल गेल अछि। सामान्य प्रशासन विभाग द्वारा सोमदिन जारी अधिसूचना अनुसार, वर्तमान मुख्य सचिव अमृत लाल मीणा, जे 1989 बैचक अधिकारी छथि, 31 अगस्त 2025 कें सेवानिवृत्त भए रहल छथि। प्रत्यय अमृत वर्तमान मे स्वास्थ्य विभाग आ आपदा प्रबंधन विभागक अपर मुख्य सचिवक अतिरिक्त भार सेहो संभारि रहल छथि। सरकारक एहि निर्णय सं मुख्य सचिवक चयन कें लए कए चलि रहल तमाम अटकलबाजी समाप्त भए गेल अछि।

 

- Advertisement -spot_imgspot_img
Latest news
- Advertisement -spot_img
Related news

LEAVE A REPLY

Please enter your comment!
Please enter your name here