6.5 C
London
Wednesday, March 4, 2026

वोटबंदीक विरुद्ध सीपीएमक विशाल प्रदर्शन, डीएम कें सौंपल गेल ज्ञापन

सहरसा, समदिया

भारतक कम्युनिस्ट पार्टी (मार्क्सवादी) सीपीएम द्वारा पार्टीक राष्ट्रव्यापी आह्वान पर शुक्रदिन जिला समाहरणालय पर रोषपूर्ण प्रदर्शन कएल गेल। जिलाक विभिन्न अंचल सं आयल भारी संख्या मे प्रदर्शनकारी सुपर मार्केट मे जमा भेला, ओतय सं जुलूस निकालि कय समाहरणालय पहुंचल। एहि दौरान चुनाव आयोगक मनमानी नहि चलत, एसआईआरक बहाना सं वोटबंदी नहि चलत, गरीबाक नाम मतदाता सूची सं हटायब बंद करू  आदिक गगनभेदी नारा लागल।

सभाक अध्यक्षता कामरेड मिथिलेश कुमार सिंह कएलनि। संबोधित करैत पार्टी राज्य सचिव मंडल सदस्य कामरेड विनोद कुमार कहलनि जे बीजेपी आ आरएसएस, आगामी विधानसभा चुनाव मे पराजय देखि, चुनाव आयोगक सहारा लय कय विशेष गहन पुनरीक्षणक माध्यम सं वोटबंदीक षडयं रचि रहल अछि। बिहारक जनता ई षडयंत्र बुझि गेल अछि आ एकर सफल नहि होबय देत। हुनकर कहब छनि जे मताधिकार बचाबय लेल पार्टी सुप्रीम कोर्ट मे याचिका दायर कएने अछि आ सड़क सं सुप्रीम कोर्ट तक संघर्ष जारी रहत।

पार्टी जिला सचिव सह राज्य सचिव मंडल सदस्य कामरेड रणधीर यादव कहलनि जे गत लोकसभा चुनाव जे सूची पर भेल, ओहि मे एकाएक गहन पुनरीक्षण अन्यायपूर्ण अछि। मांगरल दस्तावेज गरीब-मजदूर लोकनिक लग सहज उपलब्ध नहि अछि, आधार, राशन कार्ड, पेन कार्ड, जॉब कार्ड आ बैंक पासबुक केँ प्रमाण रूपेँ मान्यता नहि देब, गरीबक मताधिकार पर हमला अछि। बाहरे कमाबय गेल हजारों मजदूर फार्म नहि भरि सकल, आ आब प्रमाण पत्रक बहाना सं लाखों नाम हटेबाक गहरी साजिश चलि रहल अछि।

सीपीएम ऐ साजिश केँ बर्दाश्त नहि करि चरणबद्ध आंदोलन कें तेज करबाक घोषणा कएलक। कार्यक्रम मे कृष्ण दयाल यादव, व्यास प्रसाद यादव, कुलानंद कुमार, शकिल अहमद खाँ, गुरुदेव शर्मा, नसीम उद्दीन समेत सैकड़ों कार्यकर्ता उपस्थित छलाह।

 

- Advertisement -spot_imgspot_img
Latest news
- Advertisement -spot_img
Related news

LEAVE A REPLY

Please enter your comment!
Please enter your name here