6.5 C
London
Wednesday, March 4, 2026

सरायकेला मे आपस मे दू मालगाड़ी टकरायल,ट्रेनक कतेको डिब्बा पटरी सं उतरल

सरायकेला।

आद्रा रेल मंडलक चांडिल जंक्शन स्टेशनक नजदीक शनि भोरमे दू मालगाड़ी बीच भीषण टक्कर भेल। घटना करीब चारि बजे भोरमे घटल। प्राप्त जानकारी अनुसार, टाटानगर सं पुरुलिया दिशामे डाउन लाइन पर जा रहल आयरन लदायल मालगाड़ी चांडिल स्टेशन पार करबाक बाद पटरी सं उतरि गेल। पटरी सं उतरल डिब्बा विपरीत दिशा सं आबि रहल दोसर मालगाड़ी सं टकरा गेल। टक्कर एतेक जोरदार छल जे दोसर ट्रेनक कतेको डिब्बा सेहो पटरी सं उतरि गेल। घटना उपरांत तत्काल रेल यातायात बाधित भए गेल।

सूचना भेटिते रेलवे कर्मचारी आ रेस्क्यू दल घटनास्थल पर पहुंचि गेलाह। हालांकि दुर्घटनाक सही कारण अखन धरि स्पष्ट नहि भेल अछि। रेलवे अधिकारी स्थलक निरीक्षण कय जांच प्रारंभ कएलनि। प्रारंभिक रूप सं पटरि अथवा सिग्नल प्रणालीमे तकनीकी खराबीक आशंका व्यक्त कएल गेल अछि, मुदा आधिकारिक पुष्टि बाकी अछि।

हादसामे दुनू मालगाड़ी केर चालक दलक किछ सदस्यकें मामूली चोट लागल अछि। घायलक उपचार स्थानीय अस्पतालमे भए रहल अछि आ हुनकर स्थिति खतरा सं बाहर बताओल गेल अछि। एहि दुर्घटनाक कारण चांडिल–मुरी रेल लाइन पूर्ण रूपे ठप भए गेल अछि। रेलवे आपात व्यवस्था लागू कए यातायात बहाल करबाक कार्य आरंभ कए देलक अछि।

स्थानीय लोकक अनुसार, चांडिल स्टेशन पार करबाक किछेक मिनट बाद जोरदार धमाकाक आवाज सुनल गेल। ग्रामीण घटनास्थल दिस दौड़लाह तं देखलनि जे कतेको डिब्बा पटरी सं उतरि गेल अछि आ लोहेक माल इम्हर-उम्हर बिखरल अछि। दुर्घटना पितकी रेलवे गेट आ स्टेशन बीच घटल। लोकक कथन अछि जे जँ ई टक्कर यात्री ट्रेन सं भेल रहित, तँ जनहानि अत्यधिक होइत।

डीआरएम आद्रा डिवीजन सुमित नरूला बतौलनि जे दुर्घटनामे टाटानगर सं बर्नपुर दिशामे आयरन ओर ल’ जा रहल ट्रेनक 15 बोगी बेपटरी भेल अछि। विपरीत दिशासं आबि रहल दोसर मालगाड़ी, बेपटरी ट्रेनक डिब्बासं टकरा गेल। ई हादसमे रेलवेकेँ 22 बोगीक क्षति भेल अछि। राहत कार्य जारी अछि आ एहि मार्ग पर परिचालन बंद क’ देल गेल अछि। परिचालन बहाल होएबामे 24 घंटासं बेसी समय लगबाक संभावना अछि।

- Advertisement -spot_imgspot_img
Latest news
- Advertisement -spot_img
Related news

LEAVE A REPLY

Please enter your comment!
Please enter your name here