6.5 C
London
Wednesday, March 4, 2026

मुख्यमंत्री रक्षाबंधन पर गाछ कें रक्षा सूत्र बान्हलनि आ वृक्षारोपण कयलनि

पटना, समदिया

मुख्यमंत्री नीतीश कुमार रक्षाबंधन आ ‘बिहार वृक्ष सुरक्षा दिवस’ केर पावन अवसर पर आइ पटना स्थित राजधानी वाटिका मे गाछ कें रक्षा सूत्र बान्हलनि आ नव गाछ रोपि कए पर्यावरण संरक्षणक संदेश देलनि।

ई आयोजन 13 अगस्त 2012 कें रक्षाबंधनक शुभ अवसर पर प्रारंभ कैल गेल छल, जाहि मे पर्यावरण प्रति लोकक जागरूकता बढ़ेबा, गाछ संरक्षण आ गाछरोपण कें बढ़ावा देबाक उद्देश्य राखल गेल अछि। जलवायु परिवर्तन सं पृथ्वी पर होमय वला नुकसान कम करबाक लेल वृक्षारोपण आ संरक्षण आवश्यक मानल जा रहल अछि। राज्य मे जल-जीवन-हरियाली सहित अनेक योजना सं वृक्षारोपण काज तेजीसं भ’ रहल अछि आ इको टूरिज्म कें सेहो प्रोत्साहन भेटि रहल अछि।

मुख्यमंत्री संग उप मुख्यमंत्री सम्राट चौधरी, पर्यावरण, वन आ जलवायु परिवर्तन मंत्री डॉ० सुनील कुमार, मुख्यमंत्री के प्रधान सचिव डॉ० एस० सिद्धार्थ, अपर मुख्य सचिव हरजोत कौर, विशेष कार्य पदाधिकारी श्री गोपाल सिंह, पटना प्रमंडल आयुक्त डॉ० चन्द्रशेखर सिंह, जिलाधिकारी डॉ० त्यागराजन एस०एम०, वरीय पुलिस अधीक्षक श्री कार्तिकेय के० शर्मा, प्रधान मुख्य वन संरक्षक श्री प्रभात कुमार गुप्ता सहित अन्य वरिष्ठ अधिकारी आ गणमान्य व्यक्ति उपस्थित छलाह।

एहि अवसर पर मुख्यमंत्री नीतीश कुमार पर्यावरण संरक्षण आ वृक्षारोपण कें राज्य सरकारक प्राथमिकता बतौलनि आ लोकक सहयोग सं एहि अभियान कें आओर व्यापक बनेबाक आह्वान केलनि।

- Advertisement -spot_imgspot_img
Latest news
- Advertisement -spot_img
Related news

LEAVE A REPLY

Please enter your comment!
Please enter your name here