व्यापारी कें किडनैप करबाक कोशिश कएलक
जमशेदपुर।
जमशेदपुर शहर केर सभसं सुरक्षित मानल जाइत बिष्टुपुर थाना क्षेत्र मे 30 लाख टका केर लूटक सनसनीखेज वारदात भेल। घटना बिष्टुपुर गुरुद्वारा लग घटल, जतय व्यापारी साकेत आदीवाल एचडीएफसी बैंक मे रकम जमा करबाक लेल जा रहल छलाह।
भेटल जानकारी अनुसार साकेत आदीवाल अपन स्कूटी पर छलाह, जखनकि हुनकर स्टाफक दोसर स्कूटी पाछां चलि रहल छल। एही बीच एकटा सफेद इनोवा सं अपराधी सभ आबि हुनका रोकलक। पहिने आरोपि सभ मिर्ची पाउडर छिरकलक आ ओकरा बाद व्यापारी केँ किडनैप करबाक कोशिश कएलक। व्यापारी विरोध कएलनि आ भागबाक कोशिश कएलनि त अपराधीसभ गोलीबारी सेहो कएलक।
घटना पश्चात अपराधीसभ 30 लाख टका सं भरल बैग ल’ क’ फरार भ’ गेल। साकेत केर घर गुरुद्वारा लग बस्ती रोड नंबर-3 मे अछि। घटना केर सूचना पाबि पुलिस दल स्थल पर पहुँचि जाँच प्रक्रिया प्रारंभ कएलक आ अपराधीसभक धर-पकड़ लेल अभियान तेज क’ देल गेल अछि।



