12 C
London
Thursday, April 23, 2026

कदीमा चोरी करबा सं रोकला पर ईंट सं पीटलक, फेर चक्कू गोदि कए कयलक हत्या, आंखि सेहो फोड़लक

सीतामढ़ी, समदिया

सीतामढ़ी मे मंगलक देर राति कदिमा चोरीक विरोध करय वाला एकटा व्यक्तिक निर्दयता सं हत्या कए देल गेल। घटना लगमा स्थित पेट्रोल पंपक समीप भेल अछि। किसान सुरेन्द्र साह (40) केर खेत सं कदिमा चोराबय लेल आयल चोर ईंट सँ पीटि कए आ चक्कू सं गोदि कए हत्या कए देलक। एहि क्रम मे चोर सभ ओकर आंखि सेहो निकालि लेलक। सुरेन्द्र साह लगमा गामक निवासी मौजे साहक पुत्र छलाह। पुलिस मामला दर्ज कए मामलाक जांच शुरू कए देलक अछि।

घटनाक जानकारी भेटला पर सदरक एसडीपीओ रामकृष्ण डुमरा थाना प्रभारी अरेंद्र कुमारक संग मौका पर पहुंचलाह। हत्याराक सुराग लेबय लेल डॉग स्क्वाड आ फोरेंसिक टीमक मदति सं घटनास्थलक जांच कयल गेल। फोरेंसिक टीम मौका सं बहुत रास नमूना संकलन कएने अछि। पुलिस कें कटल कदिमा सेहो भेटल अछि।

जानकारीक अनुसार किसान सुरेन्द्र साहक पांच कट्‌ठा खेत मे उगायल कदिमाक दू दिन सं राति मे चोरी भए रहल छल। मंगल दिन देर राति राति मे भोजनक बाद ओ खेत मे गेल। भोरे-भोर परिवार कें सुरेन्द्रक हत्याक सूचना भेटल। परिवारक कहब छनि जे कदिमा चोराबय लेल आयल चोरक विरोध करबाक कारण सुरेंद्रक निर्दयता पूर्वक हत्या कयल गेल छल। हत्याक घटनाक बाद परिवारक लोक मे अफश्रा-तफरी मचल अछि। डुमरा थाना प्रभारी अमरेन्द्र कुमार कहलनि जे, मामलाक जांच भए रहल अछि।

- Advertisement -spot_imgspot_img
Latest news
- Advertisement -spot_img
Related news

LEAVE A REPLY

Please enter your comment!
Please enter your name here