6.5 C
London
Wednesday, March 4, 2026

बिहारक पहिल हाईस्पीड सड़क, जोड़त तीन एयरपोर्ट आ सात जिला

 

बिहार में आमस–दरभंगा एक्सप्रेसवे

 

पटना। बिहार मे सड़क निर्माणक दायरा लगातार बढ़ि रहल अछि। गाम-गाम धरि पक्का सड़क पहुंचि रहल अछि आ पैघ शहर सभक जोड़बाक लेल नव परियोजनासभ सामने आबि रहल अछि। एहि योजनासभक बीच राज्यक पहिल एक्सप्रेसवे सेहो आकार लेबा लागल अछि।

 

आमस सं दरभंगा धरि बनि रहल ई एक्सप्रेसवे आब 30 प्रतिशत तक तैयार भए गेल अछि। खास बात ई अछि जे एहि सड़क पर गाड़ी सभ 100 किलोमीटर प्रति घंटा केर रफ्तार सं दौड़त।

 

दक्षिण सं उत्तर बिहार धरि तेज कनेक्टिविटी

वर्तमान मे दक्षिण बिहार सं उत्तर बिहार पहुंचबा मे यात्रीकें सात सं आठ घंटा लागत अछि, मुदा एहि एक्सप्रेसवेक बनला पर ई दूरी मात्र दो सं तीन घंटा मे तय कयल जा सकत। ई सड़क दक्षिण आ उत्तर बिहारक बीच पहिल एक्सेस कंट्रोल्ड नेशनल हाईवे होयत, जाहि पर वाहन बिना रोक-टोक फर्राटा भरत।

 

आमस–दरभंगा एक्सप्रेसवे बिहारक पहिल सड़क होयत जे एक संग तीन बड़े एयरपोर्ट — औरंगाबाद, गया आ पटना — केँ जोड़त। ई सड़क सात जिलासं गुजरत: औरंगाबाद, गया, जहानाबाद, पटना, वैशाली, समस्तीपुर आ दरभंगा। एहि सं न केवल स्थानीय लोकक लाभ होयत, बल्कि एहि इलाकासभक हवाई सेवासभ सं निकटता सेहो बढ़त।

 

भारत-माला प्रोजेक्टक तहत निर्माण

ई एक्सप्रेसवे भारतमाला प्रोजेक्टक तहत बनाओल जा रहल अछि। सड़कक चौड़ाई लगभग 200 फीट होयत आ एहि केँ विशेष तकनीक सं तैयार कैल जा रहल अछि, जाहि सं वाहन बिना बाधा तेज रफ्तार सं चलि सकत। सड़क पर प्रवेश आ निकासी केवल सीमित जगह पर होयत, जाहि सं ट्रैफिक नियंत्रण सुनिश्चित होयत। एहि परियोजनापर लगभग 5,000 करोड़ रूपैया खर्च कैल जा रहल अछि।

 

मूल योजना अनुसार ई एक्सप्रेसवे 25 जुलाई धरि तैयार होयबाक छल, मुदा जमीन अधिग्रहणक समस्या कारण ई लक्ष्य टल गेल। आब आशा अछि जे दिसंबर धरि निर्माण कार्य समाप्त भऽ जायत आ आगाम वर्षक शुरुआत मे लोक एहि सड़कक उपयोग कऽ सकत।

ई सड़कक सबसं पैघ प्रभाव जहानाबाद जिलामे देखल जा रहल अछि। करीब 28 किलोमीटर लंबा हिस्सा मखदुमपुर, घोसी, काको आ मोदनगंज प्रखंड सं गुजरि रहल अछि। एहि कारण आसपासक जमीनक मूल्य कई गुना बढ़ि गेल अछि। जतय पहिले खेतिहर जमीन हजार रूपैया मे बिकैत छल, ओतय आब लाख रूपैया तक पहुँचल अछि। रोजगारक नव अवसर सेहो पैदा भऽ रहल अछि आ स्थानीय लोक बेहतर बाजार आ तेज यातायात सुविधा सं जुड़ि रहल अछि।

ई एक्सप्रेसवे केवल तेज यात्रा केर साधन नहि, बल्कि बिहारक अर्थव्यवस्थाक लेल महत्वपूर्ण कदम अछि। दक्षिण बिहारक किसान आ व्यवसायी आब उत्तर बिहारक बाजार धरि आसानी सं पहुँच सकत। दरभंगा आ समस्तीपुर सं राजधानी पटना पहुँचब सरल होयत। सड़क सं जुड़ल दर्जनों गांव मे व्यवसाय आ रोजगारक संभावना सेहो बढ़त।

आमस–दरभंगा एक्सप्रेसवे बिहार लेल केवल सड़क नहि, बल्कि उम्मीदक मार्ग अछि। ई राज्य केँ नव गति आ दिशा देत। यात्रिक समय बचत, किसान आ व्यवसायीक लेल नव मंडी, आ आम लोकक जीवन आसान बनत। दिसंबरक बाद जखन ई सड़क पूर्ण रूप सं तैयार भऽ जायत, तखन कहल जा सकत अछि जे बिहार आधुनिक बुनियादी ढाँचाक दिशा मे एक पैघ कदम आगू बढ़ा चुकल अछि।

- Advertisement -spot_imgspot_img
Latest news
- Advertisement -spot_img
Related news

LEAVE A REPLY

Please enter your comment!
Please enter your name here