12 C
London
Thursday, April 23, 2026

पेयजल संकटक समाधानक लेल विधायक अनिश्चितकालीन धरना पर बैसलाह

बेनीपुर, समदिया

बेनीपुर विधानसभा क्षेत्रमे गंभीर पेयजलक संकट कें लए कए स्थानीय विधायक प्रो. विनय कुमार चौधरी लोक स्वास्थ्य अभियंत्रण प्रमंडल दरभंगाक कार्यालय पर अनिश्चितकालीन धरना पर बैस गेलाह। क्षेत्रक जनता कें जा धरि स्वच्छ जल उपलब्ध नहि भए जाइत अछि ता धरि धरना पर डटल रहबाक घोषणा कयलनि अछि। एहि सं पहिने ओ जिला पदाधिकारी कें आवेदन दए जल संकटक निदानक मांग कयलनि। विधायक प्रो. चौधरी जिला पदाधिकारी सं भेंटकय, ज्ञापन दए बेनीपुर विधानसभा क्षेत्रक विभिन्न गाम सभमे गंभीर जल संकट उत्पन्न हेबाक बात बताबैत अविलंब निदानक मांग कयलन्हि अछि। अपन आवेदनमे ओ विधानसभा क्षेत्रक महिनाम पंचायतक वार्ड संख्या 8 आ 17, पोहद्दी पंचायतक वार्ड 13 के छोड़ि सभ वार्डक अतिरिक्त नवादा, मकरमपुर, बलनी, बेगनी, बेलौन, हावीभौआड़,  हरिपुर, बहेड़ी, रमौली, जगन्नाथपुर, हावीडीह, सजनपुरा आदि गाम सभमे गंभीर जल संकटक उल्लेख करैत ओकर निदानक मांग कयलन्हि अछि। दोसर दिस ओ पूर्वमे लोक स्वास्थ्य अभियंत्रण प्रमंडलक कार्यपालक अभियंता सं भेट करबाक समय लेने छलाह। जखन श्री चौधरी कार्यपालक अभियंताक कार्यालय पहुंचलाह तं कार्यपालक अभियंता अपना कार्यालय सं गायब छलाह। विधायक श्री चौधरी कार्यपालक अभियंताक एहि मनमानी पूर्ण व्यवहार सं क्षुब्ध भए तत्काल हुनके कार्यालय कक्षमे धरना पर बैसि गेलाह। एकर जानकारी भेटितहि विधानसभा क्षेत्र सं लए कय जिला मुख्यालय धरि समर्थकक लोक स्वास्थ्य अभियंत्रण कार्यालय पहुंचबाक होड़ सन लागि गेल आ देखितहि देखते विधायकक समर्थनमे सैकड़ो कार्यकर्ता धरना पर बैसि गेलाह। ओहि दौरान सामाजिक कार्यकर्ता ऋषभ कुमार, हंसिका कश्यप कुहू, पूर्व उप प्रमुख प्रेम कुमार झा, रुम्मी खां, विमल कुमार चौधरी, प्रभात कुमार झा, राम उद्गार यादव, गोविंद झा सहित दर्जनो कार्यकर्ता उपस्थित छलाह।

- Advertisement -spot_imgspot_img
Latest news
- Advertisement -spot_img
Related news

LEAVE A REPLY

Please enter your comment!
Please enter your name here