17 C
London
Thursday, April 23, 2026

सीतामढ़ी पहुंचलाह एमपी केर सीएम मोहन यादव, प्रभात झा कें देलनि श्रद्धांजलि

सीतामढ़ी, समदिया

मध्य प्रदेशक मुख्यमंत्री डॉ. मोहन यादव बुध कें सीतामढ़ीक सुरसंड प्रखंड स्थित भाजपाक वरिष्ठ नेता रहल स्व. प्रभात झाक गाम कोरियाही पहुंचलाह। हुनक विमान नई दिल्ली सं दरभंगा एयरपोर्ट पर उतरल, ओतय सं मध्य प्रदेशक सीएम सड़क मार्ग सं कोरियाही पहुंचलाह।

26 जुलाई कें भाजपाक पूर्व अध्यक्ष प्रभात झाक निधन भए गेल रहनि। 67 सालक अवस्था मे दिल्लीक मेदांता अस्पताल मे ओ अंतिम सांस लेलनि। झाक अंतिम संस्कार 27 जुलाइक दुपहर 3 बजे हुनकर पैतृक गाम कोरियाही मे भेल छल।

अंतिम संस्कार मे सीएम डॉ. मोहन यादव कें शामिल हेबाक छल, मुदा व्यक्तिगत कारण सं ओ ओहि दिन नहि आबि सकलाह। प्रभात झा कें श्रद्धांजलि देलाक बाद मोहन यादव हुनक परिवारक सदस्य सं सेहो गप केलनि। झा केर निधन पर देश आ राज्यक सब राजनीतिक हस्ती शोक व्यक्त केलनि। प्रभात झाक निधन कें सब कियो व्यक्तिगत क्षति बतौने छथि। झा पार्टी मे बहुत रास महत्वपूर्ण पद पर बैसल छलाह। पत्रकारिता सं अपन कैरियरक शुरुआत कयने छलाह। ओ बहुत दिन सं बीमार छलाह। हुनक निधन सं सीतामढ़ी सहित संपूर्ण मिथिला मे सेहो शोकक लहरि अछि।

- Advertisement -spot_imgspot_img
Latest news
- Advertisement -spot_img
Related news

LEAVE A REPLY

Please enter your comment!
Please enter your name here