17 C
London
Thursday, April 23, 2026

झारखंड मे भाजपाक संग मीलि कए चुनाव लड़त जदयू, 11 सीट पर बनि सकैत

पटना, समदिया

बिहारक मुख्यमंत्री नीतीश कुमारक पार्टी जनता दल यूनाइटेड (जदयू) झारखंड मे चुनाव लड़बाक घोषणा केलक अछि। झारखंड विधानसभा चुनाव मे जदयू भाजपाक संग गठबंधन मे लड़त। बिहार सरकारक मंत्री श्रवण कुमारक कहब छनि जे एहि साल झारखंड मे विधानसभा चुनाव भए सकैत अछि। एहि चुनाव कें ध्यान मे राखि सभ राजनीतिक दल अपन तैयारी शुरू कए देलक अछि। जदयू नेता श्रवण कुमार कहलनि अछि जे हुनकर पार्टी झारखंड मे एनडीए केर संग चुनाव लड़त।

श्रवण कुमार मीडिया सं गप करैत कहलनि जे झारखंड मे एनडीए केर संग चुनाव लड़ब। कतेक सीट पर चुनाव लड़ल जायत आ कोन विधानसभा सीट पर चुनाव लड़ल जायत, ताहि लेल सब नेता आपस मे चर्चा करताह आ सीट आ उम्मीदवारक नाम तय करताह। ओ कहलनि जे एनडीए सं अंतिम गप्पक बाद उम्मीदवारक चयन होयत। श्रवण कुमार कहलनि जे हम सब झलिबजवा नहि छी। देश मे कोनो चुनाव मे जदयूक संग लेबय पड़त।

एतय बताबी जे वर्ष 2019 मे सेहो जदयू झारखंड विधानसभा चुनाव लड़ने छल। पार्टी 40 सीट पर चुनाव लड़ने छल। मुदा पार्टी एकोटा सीट धरि नहि जीति सकल। मीडिया रिपोर्ट मे कहल जा रहल अछि जे एहि बेर जदयू झारखंडक 11 सीट पर चुनाव लड़बाक फैसला केलक अछि। 11 सीटक सूची सेहो तैयार भए गेल अछि आ ई सूची झारखंड हाईकमान सीएम नीतीश कुमार कें सौंप देलक अछि। ओना जनता दल यूनाइटेड एहि बेर भाजपाक संग गठबंधन मे चुनाव लड़य चाहैत अछि। सीट वितरण या उम्मीदवारक नामक संबंध मे एखन धरि किछु नहि कहल गेल अछि।

- Advertisement -spot_imgspot_img
Latest news
- Advertisement -spot_img
Related news

LEAVE A REPLY

Please enter your comment!
Please enter your name here