लिस्ट-ए क्रिकेट मे शतक लगेनिहार दुनियाक सभसं कम उमेरक खिलाड़ी बनलाह
मिथिलाक वैभव सूर्यवंशी विजय हजारे ट्रॉफी मे अरुणाचल प्रदेशक विरुद्ध शानदार प्रदर्शन कएलनि अछि। ओ मात्र 36 गेंद मे शतक जड़ि देलनि। जखन कि बिहारक कप्तान साकिबुल गनी 32 बॉल मे आ झारखंडक ईशान किशन 33 बॉल मे शतक बनौलनि। एहि उपलब्धिक संगहि वैभव लिस्ट-ए क्रिकेट मे शतक लगेनिहार दुनियाक सभसं कम उमेरक खिलाड़ी बनि गेलाह। ओ पाकिस्तानक जहूर इलाहीक 39 वर्ष पुरान रिकॉर्ड तोड़ि देलनि।

जहूर इलाही वर्ष 1986 मे विल्स कपक दौरान पाकिस्तान ऑटोमोबाइल्सक दिस सं खेलैत रेलवेक विरुद्ध लिस्ट-ए क्रिकेट मे शतक जड़ने छलाह। ओहि समय हुनकर उमेर मात्र 15 वर्ष 209 दिन छल आ ओ लिस्ट-ए क्रिकेट मे सभसं कम उमेर मे शतक लगेनिहार खिलाड़ी बनल छलाह।
चौदह वर्षक वैभव बिहार लेल विजय हजारे ट्रॉफीक प्लेट ग्रुप मैच मे खेल रहल छलाह। ई मैच अरुणाचल प्रदेशक विरुद्ध रांची स्थित जेएससीए ओवल ग्राउंड मे भेल। वैभव मात्र 36 गेंद मे अपन शतक पूरा कएलनि आ 84 बॉल पर 190 रन बनेलनि। ओ बिहार टीमक उप-कप्तान सेहो छथि। अपन पारी मे ओ 16 चौका आ 15 छक्का लगेलनि। बारहम ओवरक पहिल गेंद पर एक रन लए कए ओ अपन शतक पूरा कएलनि। वैभव सभसं तेज 150 रन बनाबैत साउथ अफ्रीकाक एबी डिविलियर्स आ इंग्लैंडक जोस बटलर कें पछाड़ि देलनि।
यूथ वनडे क्रिकेट मे सेहो वैभव सूर्यवंशी अपन विस्फोटक बल्लेबाजी सं रिकॉर्ड स्थापित कएलनि अछि। यूएई क विरुद्ध खेलल गेल मैच मे ओ 14 छक्का लगेलनि आ एखन धरि यूथ वनडे मे सभसं बेसी छक्का लगेनिहार बल्लेबाज बनि गेलाह। अंडर-19 एशिया कप मे वैभव 95 गेंद पर 171 रन बनेलनि। लगभग 180 क स्ट्राइक रेट सं खेलल गेल एहि पारी मे ओ 14 छक्का आ 9 चौका लगेलनि। एहि प्रदर्शनक संगहि ओ ऑस्ट्रेलियाक माइकल हिलक वर्ष 2008 मे बनाओल 12 छक्काक रिकॉर्ड तोड़ि देलनि।

वैभव मात्र 56 गेंद मे अपन शतक पूरा कएलनि। हुनकर आक्रामक बल्लेबाजीक दम पर भारत यूथ वनडे क्रिकेट मे अपन सभसं पैघ स्कोर बनेलक। भारतीय टीम 433 रन बनेलक, जे गत वर्ष ढाका द्वारा स्कॉटलैंड क विरुद्ध बनाएल 425 रनक रिकॉर्ड सं बेसी अछि। एहि मैच मे वैभवक संग एरोन जॉर्ज आ विहान मल्होत्रा सेहो 69-69 रनक महत्वपूर्ण पारी खेललनि।
वैभव सूर्यवंशी सैयद मुश्ताक अली ट्रॉफी मे सेहो इतिहास रचलनि अछि। ओ दस दिन पहिने एहि टूर्नामेंट मे शतक लगेलनि आ 14 वर्षक उमेर मे टूर्नामेंटक सभसं कम उमेर मे शतक लगेनिहार बल्लेबाज बनलाह। 2 दिसंबर कें ईडन गार्डन्स मे महाराष्ट्र क विरुद्ध खेलेल गेल मैच मे ओ 61 गेंद पर नाबाद 108 रन बनाएलनि, जाहि मे 7 चौका आ 7 छक्का शामिल छल। एहि संगहि वैभव 14 वर्षक उमेर मे तीन टी-20 शतक लगेनिहार दुनिया क एकमात्र खिलाड़ी छथि।



