6.5 C
London
Wednesday, March 4, 2026

बिहार मे आब कोनो तरहक डर आ भयक वातावरण नहि: सीएम नीतीश कुमार

विभिन्न योजनाक निरीक्षण आ पदाधिकारी सभक संग समीक्षा केलनि

मोतिहारी। बिहारक मुख्यमंत्री नीतीश कुमार शनिदिन अपन समृद्धि यात्राक क्रम मे पूर्वी चंपारण जिला पहुंचलाह, जतए ओ विभिन्न योजनाक उद्घाटन आ शिलान्यास कएलनि। एहि अवसर पर उपस्थित लोक सभ के संबोधित करैत मुख्यमंत्री पूर्ववर्ती सरकार पर निशाना साधलनि। ओ कहलनि जे 2005 सं पहिने बिहार मे सांझ होइतहि लोक घर सं बाहर निकलए मे डरैत छल आ हिन्दू–मुसलमान बीच बराबर विवाद होइत छल। मुदा जखन हमरा सभ कें सेवा करबाक मौका भेटल, त हमरा सभ सभ लोक लेल काज कएलहुं। मुख्यमंत्री स्पष्ट कहलनि जे आब बिहार मे कोनो तरहक डर आ भयक वातावरण नहि अछि। सभ लोक मिलिकए रहैत छथि, भाईचारा आ शांति केर माहौल अछि।

मुख्यमंत्री कहलनि जे शिक्षा आ स्वास्थ्य क्षेत्र मे व्यापक काज कएल गेल अछि। छात्र–छात्रा लेल पोशाक योजना शुरू कएल गेल, शिक्षक सभक बहाली कराओल गेल आ विद्यालयी व्यवस्था मजबूत बनाओल गेल अछि। ओ एहि दौरान पूर्वी चंपारण जिलाक विकास लेल आगू केर रूपरेखा सेहो रखलनि।

कार्यक्रमक बाद मुख्यमंत्री प्रदर्शनी स्थल पर विभिन्न विभाग आ योजनाक स्टॉल सभ देखलनि। ओ कहलनि जे जीविका दीदी सभक स्टॉल बहुत नीक लागल अछि। ओ ओतए उपस्थित महिला सभ सं बातचीत कएलनि आ हुनकर उत्पाद सभक सराहना कएलनि। मुख्यमंत्री एहि दौरान विभिन्न योजनाक निरीक्षण कएलनि आ पदाधिकारी सभक संग समीक्षा बैठक सेहो कएलनि।

एहि अवसर पर उपमुख्यमंत्री सम्राट चौधरी कहलनि जे पछिला पांच वर्ष मे 50 लाख लोक कें सरकारी नौकरी आ रोजगार देल गेल अछि आ आब एक करोड़ नौकरी आ रोजगारक लक्ष्य राखल गेल अछि। एहिलेल राज्य मे उद्योगक जाल बिछाओल जा रहल अछि। उद्योग सभ कें बढ़ावा देबाक लेल बिहार मे देशक सभसं नीक उद्योग नीति बनाओल गेल अछि। ओ कहलनि जे बिहार मे उद्योग कॉरिडोर बनाओल जा रहल अछि आ रोजगार बढ़ाबए लेल डिफेंस कॉरिडोर निर्माणक योजना सेहो अछि।

सम्राट चौधरी कहलनि, “मुख्यमंत्री नीतीश कुमार बिहार कें बदलबाक काज कएलनि अछि। 2005 सं पहिने एतए सड़क, बिजली, स्वच्छ पेयजल आ स्वास्थ्य सेवा केर हालत बहुत खराब छल। पटना सं मोतिहारी आबए मे सात–आठ घंटा लागैत छल, मुदा आब ई दूरी चारि घंटा मे तय भण् रहल अछि। बिहार मे एक्सप्रेस–वे केर जाल बिछाओल जा रहल अछि। रक्सौल मे एयरपोर्ट निर्माण काज सेहो चलि रहल अछि।”

उपमुख्यमंत्री सम्राट चौधरी मुख्यमंत्री नीतीश कुमार संग समृद्धि यात्राक दौरान पूर्वी चंपारण पहुंचल छलाह। मोतिहारीक गांधी मैदान मे आयोजित कार्यक्रम के संबोधित करैत ओ कहलनि जे अयोध्या मे भव्य श्रीराम मंदिर, मोतिहारी मे विराट रामायण मंदिर निर्माणक बाद आब सीतामढ़ीक पुनौराधाम मे मां जानकीक जन्मस्थली पर भव्य जानकी मंदिर निर्माण कराओल जा रहल अछि। ओ कहलनि जे बिहार मे विकास संग–संग धार्मिक आ सांस्कृतिक विरासत केर संरक्षण सेहो कएल जा रहल अछि।

- Advertisement -spot_imgspot_img
Latest news
- Advertisement -spot_img
Related news

LEAVE A REPLY

Please enter your comment!
Please enter your name here