6.5 C
London
Wednesday, March 4, 2026

मुख्यमंत्री नीतीश कुमार केंद्रीय बजटक केलनि सराहना, कहलनि ई बजट प्रगतिशील आ भविष्योन्मुखी अछि

केंद्रीय बजट मे देश मे 7 हाई-स्पीड रेल कॉरिडोर बनेबाक घोषणा कएल गेल अछि

रबिदिन केंद्रीय वित्त मंत्री निर्मला सीतारमण दिल्लीक सांसद मे आम बजट 2026-27 प्रस्तुत केलनि, जाहि पर मुख्यमंत्री नीतीश कुमार ट्विट कें माध्यम सं सराहना करैत कहलैनि जे केंद्रीय बजट सकारात्मक आ स्वागतयोग्य अछि। केंद्र सरकारक ई बजट विकसित भारत बनेबाक लक्ष्य कें ध्यान मे रखैत पेश कएल गेल अछि। ई बजट प्रगतिशील आ भविष्योन्मुखी अछि। एहि बजट केर माध्यम सं केंद्र सरकार देशक विकासक गति बढ़ेबाक लेल अनेको महत्वपूर्ण कदम उठौने अछि। एहि बेर केंद्रीय बजट मे देश मे 7 हाई-स्पीड रेल कॉरिडोर बनेबाक घोषणा कएल गेल अछि। एहिमे वाराणसी–सिलीगुड़ी हाई-स्पीड रेल कॉरिडोर बने सं बिहार कें सेहो काफी लाभ भेटत। संगहि बजट मे देश भर मे 20 नव राष्ट्रीय जलमार्ग बनेबाक घोषणा कएल गेल अछि। एहिक तहत पटना आ वाराणसी मे जहाज मरम्मत केर सुविधा उपलब्ध कराओल जाएत। जलमार्गक विस्तार सं बिहारक सेहो कई शहर कें लाभ भेटत आ राज्यक उत्पादक निर्यात सुविधा बढ़त, जाहि सं व्यापारिक आ व्यावसायिक गतिविधि मे तेजी आएत।

देश भरि मे बड़का टेक्सटाइल पार्क आ महात्मा गांधी स्वरोजगार योजना केर घोषणा कएल गेल अछि

केंद्रीय बजट मे देश भरि मे बड़का टेक्सटाइल पार्क आ महात्मा गांधी स्वरोजगार योजना केर घोषणा कएल गेल अछि। संगहि बजट मे सेमीकंडक्टर लेल 40 हजार करोड़ रुपैयाक सपोर्ट केर ऐलान भेल अछि। एहि सं बिहार सहित देश भरक युवा लेल रोजगारक नव अवसर पैदा हेत आ देशक आर्थिक विकास आओर तेज गति सं संभव हेत। केंद्रीय बजट मे घोषणा कएल गेल अछि जे विकास आ रोजगारक अवसर मे तेजी आनबाक लेल पूर्वोदय राज्य आ उत्तर-पूर्वी क्षेत्र पर विशेष ध्यान केंद्रित कएल जाएत। एहि सं जुड़ल विकास योजना सं बिहार कें औद्योगिक निवेश, आधारभूत संरचना आ युवा लेल अधिक रोजगारक अवसर प्राप्त हेत। संगहि, केंद्रीय बजट मे शहरक विकास लेल कएल गेल प्रावधान सं बिहार मे शहरीकरण कें नव गति भेटत। एहिसं राज्यक शहर सभ मे आधारभूत संरचना, निवेश आ रोजगारक अवसर विस्तार पेत। एहि बेरक केंद्रीय बजट मे देशक सभ जिला मे एकटा गर्ल्स हॉस्टल बनेबाक घोषणा कएल गेल अछि। एहिसं उच्च शिक्षा ग्रहण करए मे लड़की सभ कें काफी सहूलियत भेटत। एकटा बेहतर बजट पेश करेबाक लेल हम आदरणीय प्रधानमंत्री श्री नरेन्द्र मोदी जी आ वित्त मंत्री निर्मला सीतारमण जी कें धन्यवाद दैत छी।

- Advertisement -spot_imgspot_img
Latest news
- Advertisement -spot_img
Related news

LEAVE A REPLY

Please enter your comment!
Please enter your name here