- मुखिया लोकनि अधिकारी लोकनिक विरुद्ध जतौलनि रोष, कयलनि समस्याक समधान करबाक मांग
बेनीपुर, समदिया
सिंहवाड़ा प्रखंड मुख्यालय पर मुखिया महासंघक तत्वावधानमे पीएचईडी विभागक खिलाफ अनिश्चितकालीन धरना-प्रदर्शन शुरू कऽ देल गेल अछि। प्रखंडक सभ पंचायतमे नल जल योजना ठप्प रहला आ जलस्तर नीचा चलि गेलाक कारणे अधिकांश चापाकल सं पाइन नहि निकलनाई आ खराब चापाकल सभ क मरोम्मति नहि कयला पर आक्रोश व्यक्त कऽ रहल छलाह। मौका पर पंचायत समिति सदस्य सभ आन्दोलनमे शामिल भऽ अधिकारी सबहक खिलाफ आक्रोश जता रहल छलाह। मुखिया संघक अध्यक्ष पप्पू चौधरी कहलनि जे पीएचईडी विभाग जनहितक सवाल पर मौन रहिकय सरकार के बदनाम करबाक साजिश रचि रहल अछि। हम सभ पेयजल संकटक निदान के लेल जे आन्दोलनक शुरुआत कयलहुं अछि ओ सड़क सं सदनधरि चलैत रहत। मुखिया संघक संरक्षक अहमद अली तमन्ने कहलनि जे भरवाड़ा नगर पंचायत, राजो, सनहपुर, भगवतीपुर सहित कतेको पंचायत सभमे चापाकलक पाइनिक जलस्तर नीचा चलि गेला सं पेयजल संकटक सामना करय पड़ि रहल छैक। भीषण गर्मीमे पाइन के लऽकय सभ जगह त्राहिमामक स्थिति बनल अछि। मुखिया कुमार किसलय , दिनेश महतो , रमेश भगत आदि कहलनि जे पंचायत सभमे मुख्यमंत्री नल जल योजनाक काज सम्पूर्णरुपे स्वास्थ्य अभियंत्रण विभाग पर अछि मुदा जगह जगह चापाकल खराब रहला सं उत्पन्न पेयजल संकट सन ज्वलंत मुद्दा सभ पर पीएचईडीक अधिकारीक खोज खबरि नहि लेनाई चिंताक बात अछि। अस्तु विभाग सं हटाकय पंचायत के क्रियान्वयन केर जिम्मा देनाई श्रेयस्कर होयत। मौका पर पवन कर्ण, अरुण दास, पंचायत समिति इन्द्रजीत भगत, राजा पासवान सहित अनेको जनप्रतिनिधि आ सामाजिक कार्यकर्ता उपस्थित छलाह।



