17 C
London
Thursday, April 23, 2026

नेपालक प्रसिद्ध गायक गुरुदेव कामतक निधन, संगीत क्षेत्र मे अपूरणीय क्षति

जनकपुरधाम, मिश्री लाल मधुकर

नेपालक अनुपम संगीत प्रतिभा आ मधेशक धरोहर गुरुदेव कामतक बृहस्पतिदिन 67 वर्षक उमेरमे काठमाण्डौ मे उपचारक क्रममे निधन भए गेलनि। हिनक जन्म सिरहा जिलाक लक्ष्मी पतारी गाविस वार्ड 2 केर पोखरभिंडा मे भेल छलनि। ओ मैथिली,  नेपाली,  हिन्दी आ भोजपुरी मे सैकड़ों गीत गौने छलाह।  अंतिम प्रस्तुति एहि वर्ष जनवरी मे जनकपुरधाम मे मधेश प्रज्ञा प्रतिष्ठान द्वारा आयोजित एकल शास्त्रीय संगीत प्रस्तुत करने छलाह। ‘उठू जनकपुर भेलै भोर’  जनकपुर एफएम पर पराती गीत कें जनकपुरवासी खूब पसंद कयने छलाह।

हुनक निधन पर मधेश प्रदेशक मुख्यमंत्री सतीश कुमार सिंह,  वन एवं पर्यावरण मंत्री त्रिभुवन साह, तमलोपा नेता बृषेश चंद्र लाल,  मधेश प्रज्ञा प्रतिष्ठानक अध्यक्ष राम भरोस कापड़ि ‘भ्रमर’,  मैथिली विकास कोषक अध्यक्ष जीवननाथ चौधरी,  पूर्व मेयर बजरंग साह,  साहित्यकार रोशन जनकपुरी,  सुजीत कुमार झा, अशोक दत्त,  विधायक रमाशीष यादव,  मधेश पत्रकार महासंघक अध्यक्ष राजेश कुमार कर्ण हुनक निधन पर शोक व्यक्त करैत संगीत क्षेत्र लेल अपूरणीय क्षति बतौलनि  अछि।

- Advertisement -spot_imgspot_img
Latest news
- Advertisement -spot_img
Related news

LEAVE A REPLY

Please enter your comment!
Please enter your name here