6.5 C
London
Wednesday, March 4, 2026

पीएमसीएच सं जेल पठाओल गेलाह सांसद पप्पू यादव

पटना।बेउर जेल सं उपचार लेल पीएमसीएच आनल गेल पूर्णिया सांसद पप्पू यादव कें इलाजक बाद रवि सांझ करीब साढ़े चार बजे फेर सं जेल पठा देल गेल।

ओ शनि कें देर सांझ पीएमसीएचक मेडिसिन विभागक डॉ. रवि रंजनक यूनिट मे भर्ती छलाह, जतय कैदी वार्ड मे राखि कए हुनकर इलाज कएल जा रहल छल।

पीएमसीएच अधीक्षक डॉ. राजीव कुमार सिंह बतौलनि जे बेउर जेल सं सांसद कें उपचार लेल पठाओल गेल छल। रवि कें कार्डियोलॉजी, पीएमआर, यूरोलॉजी आ सीटीवीएस विभागाध्यक्ष सभ द्वारा हुनकर जांच कएल गेल आ आवश्यक परीक्षण कराओल गेल। विशेषज्ञ चिकित्सक सभक टीम जांचक बाद हुनका भर्ती योग्य नहि पेलक।

एकर बाद जिला प्रशासनक अधिकारी सभक निगरानी मे हुनका फेर सं बेउर जेल पठाओल गेल। बताओल गेल जे अदालतक निर्देश केर आलोक मे सांसद कें बेउर जेल सं पीएमसीएच लाओल गेल छल।

जांच रिपोर्ट मे सभ पैरामीटर भर्ती योग्य नहि पाओल गेल। चिकित्सक सभ ओपीडी आधार पर उपचारक आवश्यकता बतौलनि, जकर बाद हुनका डिस्चार्ज कए देल गेल। पीएमसीएच मे हुनकर ईसीजी सहित अन्य जांच सेहो कएल गेल। बेहोश भए कए गिरलाक कारण पीठ दर्द आ कार्डियोलॉजिकल परेशानीक शिकायत लए कए ओ अस्पताल पहुंचल छलाह। विशेषज्ञ चिकित्सक सभक रिपोर्ट आधार पर हुनका अस्पताल सं छुट्टी देल गेल।

- Advertisement -spot_imgspot_img
Latest news
- Advertisement -spot_img
Related news

LEAVE A REPLY

Please enter your comment!
Please enter your name here