– पप्पू यादव कें शुक्रक राति पटना मे स्थित हुनकर आवास सं गिरफ्तार कएल गेल छल
पटना, समदिया
31 वर्ष पुरान एक धोखाधड़ी मामला मे गिरफ्तार पूर्णियाक निर्दलीय सांसद राजेश रंजन उर्फ पप्पू यादव कें एखन जमानत नहि भेटि सकल अछि। सोमदिन हुनकर जमानत अर्जी पर सुनवाई होयबाक छल, मुदा ईमेलक माध्यम सं पटना सिविल कोर्ट कें बम से उड़ेबाक धमकी भेटलाक कारण अदालती कार्यवाही बाधित भए गेल। सुरक्षा कारण सभ सं कोर्टक सभ काज रोकि देल गेल। आब मंगल दिन सांसद कें कोर्ट मे पेश कएल जाएत।
पप्पू यादव कें शुक्रवारक राति पटना मे स्थित हुनकर आवास सं गिरफ्तार कएल गेल छल। गिरफ्तारीक बाद हुनका पटना मेडिकल कॉलेज आ अस्पताल (पीएमसीएच) केर कैदी वार्ड मे राखल गेल छल, जतय हुनकर चिकित्सकीय इलाज चलैत रहल। तथापि, रविक देर सांझ हुनका बेऊर केंद्रीय कारागार मे स्थानांतरित कए देल गेल अछि।
पप्पू यादवक गिरफ्तारी 1995 केर एक धोखाधड़ी मामला सं संबंधित अछि। एहि संबंध मे गर्दनीबाग थाना मे प्राथमिकी दर्ज कएल गेल छल। आरोप अछि जे एक मकान किराया पर लेबाक क्रम मे जरूरी तथ्य नुकाओल गेल आ बाद मे ओहि मकान कें सांसद कार्यालयक रूप मे प्रयोग कएल गेल। एहि मामला मे कोर्ट पहिने गिरफ्तारी वारंट जारी कए चुकल छल। बाद मे इश्तेहार प्रकाशित भेल आ हालहि मे कुर्की-जब्ती केर आदेश सेहो देल गेल छल।



