जिलाधिकारीक अध्यक्षतामे जनता सं संवाद, 26 मामिलाक सुनवाई भेल
सहरसा, समदिया
जिलाधिकारी दीपेश कुमारक अध्यक्षतामे समाहरणालयमे आयोजित जनता सं संवाद कार्यक्रमक दौरान जिलाक विभिन्न क्षेत्र सं आयल आम नागरिक सं संबंधित कुल 26 मामिलाक सुनवाई कएल गेल। कार्यक्रममे प्राप्त आवेदन सभक सम्यक आ समयबद्ध निष्पादन लेल संबंधित पदाधिकारी सभके स्पष्ट निर्देश देल गेल।
सुनवाईक दौरान नवीन कुमार (सत्तर कटैया) आ ओम प्रकाश सिंह (सहरसा निवासी) द्वारा प्रस्तुत भूमि विवाद सं संबंधित आवेदनपर अंचलाधिकारी, कहरा के शिकायत निवारणक निर्देश देल गेल। ओतहि रवि कुमार शर्मा सं प्राप्त आवेदनमे वर्णित शिकायतक समाधान लेल एलडीएम, सहरसा के प्राधिकृत कएल गेल।
दशरथ झा (लगमा निवासी) द्वारा बिजली विभाग सं जुड़ल समस्या केर निवारण लेल कार्यपालक अभियंता (विद्युत) के निर्देश देल गेल। रतिलाल यादव (बैजनाथपुर) केर भूमि विवाद सं संबंधित मामिलापर डीसीएलआर, सहरसा के आवश्यक कार्रवाईक निर्देश देल गेल। एहि सं अतिरिक्त साकेत सौरव (सत्तर कटैया निवासी) द्वारा शिक्षा विभाग सं संबंधित मामिलाक निवारण लेल जिला शिक्षा पदाधिकारी के निर्देशित कएल गेल।
जिलाधिकारी बतौलनि जे सभ संबंधित पदाधिकारी सभक लॉगिन उपलब्ध अछि, जकर माध्यम सं आमजनक शिकायत सभक सतत अनुश्रवण करैत समाधानक प्रक्रिया जारी अछि। आम जनता के सरकारी कार्यालय सं जुड़ल काजमे कोनो प्रकारक असुविधा नहि हो—एहि लेल जिला, अनुमंडल आ प्रखंड स्तरक पदाधिकारी सभ सेहो आमजन सं संवाद क’ रहल छथि। एहि कार्यक्रममे अपर समाहर्ता (विभागीय जांच) गणेश कुमार, प्रभारी पदाधिकारी जन शिकायत कोषांग सह निदेशक एनईपी, अनुमंडल पदाधिकारी सदर श्रीयांश तिवारी सहित जन शिकायत कोषांगक कर्मी अभिषेक कुमार आ आन संबंधित पदाधिकारी सभ उपस्थित छलाह।



