6.5 C
London
Wednesday, March 4, 2026

पप्पू यादव कें बेल, मुदा अखन रहताह जेले मे

– जजक सामने फूटि-फूटि कए कानय लगलाह सांसद, कहलनि, हुजूर, इंजेक्शन दए कए हमरा मुआ देत

पटना, समदिया

पूर्णिया सं निर्दलीय सांसद पप्पू यादव कें मंगलदिन एमपी-एमएलए कोर्ट सं 31 वर्ष पुरान एकटा मामला मे जमानत भेटि गेल अछि। हालांकि, अखन ओ जेल सं बाहर नहि आबि सकैत छथि आ फिलहाल पटनाक बेऊर जेल मे रहताह। जानकारीक अनुसार, कोतवाली थाना आ बुद्धा कॉलोनी थाना सं जुड़ल मामिला मे पप्पू यादव कें अखन धरि जमानत नहि भेटल अछि। एहि दुनू मामला पर बुधदिन सुनवाई होयत। ताबत धरि पप्पू यादव पटनाक बेऊर जेल मे बंद रहताह।

सुनवाइक दौरान पप्पू यादव जजक सामने पटना पुलिस पर दुर्व्यवहार करबाक गंभीर आरोप लगौलनि। अपन बात रखैत-रखैत ओ भावुक भए गेलाह आ फूटि-फूटि कए कानय लागलाह। कोर्ट मे उपस्थित सभ लोक ई दृश्य देखि स्तब्ध रहि गेल।

पप्पू यादव दावा कएलनि जे बेऊर जेलक भीतर हुनकर हत्या करबाक षडयंत्र रचल जा रहल अछि। हुनकर कहब छल जे जेल मे जबरदस्ती कोनो तरहक इंजेक्शन देल जा सकैत अछि, जाहि सं हुनकर जान जा जा सकैत अछि। सांसद जज सं गोहारि लगबैत कहलनि जे हुनका पटना पुलिस पर कोनो भरोसा नहि अछि आ हुनकर जान कें गंभीर खतरा अछि।

जमानत पर सुनवाई लेल पप्पू यादव दिन करीब 12:30 बजे बेऊर जेल सं कोर्ट पहुंचल छलाह। दिन 2 बजे जमानत याचिका पर सुनवाई शुरू भेल। एहि दौरान ओ कोर्ट मे व्हीलचेयर पर बैसल देखेलाह। करीब 3 बजे सुनवाई समाप्त भेलाक बाद ओ पुनः जेल वापस लए जायल गेलाह।

एहि दुनू मामिला मे रिमांड पर छथि पप्पू यादव

बुद्धा कॉलोनी थाना मामिला

6 फरवरीक राति पुलिस पप्पू यादव कें गिरफ्तार करबाक लेल पहुंचल छल, तं हुनकर समर्थक लोकनि विरोध कएलक। एहि दौरान पुलिसकर्मी सभ सं बहस भेल। एहि घटना कें आधार बना कए बुद्धा कॉलोनी थाना मे सरकारी काज मे बाधा देबाक आरोप मे मामला दर्ज कएल गेल छल।

कोतवाली थाना मामिला

27 मार्च 2017 कें पप्पू यादव अपन पार्टी जन अधिकार पार्टी केर बैनर मे बिहार मे बिजली टैरिफ मे भारी वृद्धि आ बीएसएससी पेपर लीक केर विरोध मे प्रदर्शन कएने छलाह। एहि दौरान सड़क जाम कए आवागमन बाधित कएल गेल छल। एहि संबंध मे कोतवाली थाना मे पप्पू यादव पर मामिला दर्ज कएल गेल छल।

31 वर्ष पुरान मामिला मे भेल गिरफ्तारी

पप्पू यादवक गिरफ्तारी शुक्रदिन 31 वर्ष पुरान एकटा मामिला मे भेल छल। आरोप अछि जे ओ नीट छात्राक मौतक मामिला उठाबैत रहल छलाह, एहि क्रम मे पुलिस द्वारा हुनकर गिरफ्तारी कएल गेल। सोमदिन हुनकर वकील जमानत याचिका दाखिल करबाक तैयारी मे छलाह, मुदा कोर्ट कें बम सं उड़ाबय केर धमकी भेटलाक कारण सभ न्यायिक काज ठप भए गेल। एहि कारण कोर्ट बंद कए देल गेल आ पप्पू यादवक जमानत समेत अन्य मामिला सभक सुनवाई टारि देल गेल छल।

ओहि बीच, नीट छात्रा मौत मामला मे पुलिस 10 नव लोकक डीएनए सैंपल लेबाक तैयारी कए रहल अछि। एहि सं पहिने 18 लोकक डीएनए रिपोर्ट निगेटिव आबि चुकल अछि। एकर संग शंभू गर्ल्स हॉस्टलक मालिक सेहो आइ कोर्ट मे जमानत याचिका दाखिल करबाक तैयारी मे छथि।

- Advertisement -spot_imgspot_img
Latest news
- Advertisement -spot_img
Related news

LEAVE A REPLY

Please enter your comment!
Please enter your name here