केन्द्र सरकार अमेरिका संग कृषि कें ट्रेड डील सं बाहर राखए : मोर्चा
सीतामढ़ी, समदिया
संयुक्त किसान संघर्ष मोर्चाक बैठक मोर्चा कार्यालय मे जिलाध्यक्ष जलंधर यदुबंशीक अध्यक्षता मे सम्पन्न भेल। एहि बैठक मे 12 फरवरीक ट्रेड यूनियन हड़तालक समर्थन कएल गेल आ केन्द्र सरकार सं श्रमिक विरोधी चारि कानून रद्द कए 29 श्रम कानून पुनः लागू करबाक मांग कएल गेल। हड़ताल मे कृषि कें ट्रेड डील सं अलग रखबाक, एमएसपी 50 प्रतिशत पर कानून बनाबाक, कृषि कर्ज मुक्ति आ बिजली विधेयक वापस लेबाक मुख्य मुद्दा रहत।
बैठक मे स्वतंत्रता आंदोलनक अग्रणी नेता आ भारत मे संगठित किसान आंदोलनक जनक स्वामी सहजानन्द सरस्वती जीक जयन्ती अवसर पर 15 फरवरी कें हुनका पुष्पांजलि अर्पित करबाक संग खेतीक संकट आ किसान आंदोलन विषय पर मोर्चा कार्यालय मे परिचर्चा आयोजित करबाक निर्णय लेल गेल। बैठक मे समाजसेवी, राष्ट्र सेवा दलक पूर्व ट्रस्टी, नशाबंदी आंदोलनक नेत्री आ संगीतज्ञ वाणी मंजरी दास (75)क निधन पर गहरी संवेदना व्यक्त कएल गेल। वाणी जी समाजवादी चिंतक किशन पटनायक जीक धर्मपत्नी छलीह। हुनकर निधन पर शोक सभा कए एकरा अपूरणीय क्षति बताओल गेल। बैठक मे किसान नेता प्रो. आनन्द किशोर, शशिधर शर्मा, चन्द्रदेव मंडल, अमरेन्द्र राय, राम प्रमोद मिश्र, अबधेश यादव, चन्देश्वर प्रसाद, अशोक निराला, योगेन्द्र राय, लोरिक यादव सहित अन्य सदस्य अपन विचार व्यक्त कएलनि आ वाणी जीक निधन पर शोक प्रकट कएलनि।



