6.5 C
London
Wednesday, March 4, 2026

70 हजार करोड़क सैलरी बांटत नीतीश सरकार, दनादन बहाली सं बढ़ल वेतन खर्च

70 हजार करोड़क सैलरी बांटत नीतीश सरकार, दनादन बहाली सं बढ़ल वेतन खर्च

– पछिला 20 वर्ष मे 13 गुणा धरि बढ़ि गेल अछि राज्यक वेतन-बजट

पटना, समदिया

नीतीश कुमार नेतृत्वबला बिहार सरकार द्वारा रोजगार आ सरकारी नोकरीक अवसर उपलब्ध करेबा कें प्रमुखता देल गेलाक कारण सरकारी कोष पर दबाव सेहो बढ़ि रहल अछि। राज्यक सरकारी कर्मीसभ कें देल जाएबला वेतनक आकार पछिला 20 वर्ष मे 13 गुणा धरि बढ़ि गेल अछि। हालहि मे राज्य सरकार द्वारा बजट सत्रक दौरान विधानमंडल मे प्रस्तुत वित्तीय वर्ष 2026–27 क बजट मे एहि संबंधी जानकारी देल गेल अछि। सरकार सूचित कयलक जे आगामी वित्तीय वर्ष मे सरकारी कर्मचारी आ पदाधिकारीसभ कें वेतन भुगतान मे 70 हजार 220 करोड़ रुपैया व्यय कएल जाएत।

आइ सं 20 वर्ष पूर्व वित्तीय वर्ष 2005–06 मे बिहार सरकारक बजट मे वेतन मद पर मात्र 5152 करोड़ रुपैया खर्च कएल गेल छल। वर्तमान वित्तीय वर्ष 2025–26 मे वेतन मदक आकार बढ़ि कए 51 हजार 690 करोड़ रुपैया भए गेल अछि। जहनकि आगामी 2026–27 मे ई 70 हजार करोड़ सं ऊपर पहुंचि जाएत। बिहार मे एखन धरि वेतन मद मे ई सभ सं पैघ बजटीय आकार मानल जाइत अछि। एहि मे सरकारी कर्मचारीसभ कें देल जाएबाला पेंशनक व्यय सम्मिलित नहि अछि।

पेंशन पर वर्तमान बजट मे 35 हजार 170 करोड़ रुपैया व्यय निर्धारित कएल गेल अछि, जे वेतन मदक लगभग आधा अछि। जहनकि वित्तीय वर्ष 2005–06 मे पेंशन मदक बजट आकार केवल 2456 करोड़ रुपैया छल। वेतन मद सन पेंशन मद मे सेहो उल्लेखनीय वृद्धि दर्ज कएल गेल अछि। बिहार मे हालक वर्षसभ मे दनादन बहालीक कारण वेतन आ पेंशन व्यय मे अत्यधिक वृद्धि देखल गेल अछि।

दू वर्ष मे 2 लाख सं अधिक पद पर भेल बहाली

वेतन मद मे निरंतर बढ़ैत बजटीय आकार सं स्पष्ट अछि जे सरकारी सेवा मे लोकसभ कें पर्याप्त अवसर भेटि रहल अछि। विशेषतः शिक्षा, पुलिस आ स्वास्थ्य विभाग सन महत्त्वपूर्ण विभाग सभ मे विभिन्न पद पर व्यापक बहाली कएल जा रहल अछि। परिणामस्वरूप वर्तमान मे सरकारी कर्मी सबहक संख्या बढ़ि कए लगभग 9 लाख 50 हजार धरि पहुंचि गेल अछि।

20 वर्ष पूर्व ई संख्या केवल लगभग 3 लाख 50 हजार छल। एहि मे तीन गुणा सं अधिक वृद्धि दर्ज कएल गेल अछि। केवल पछिला दू वर्ष मे शिक्षक, सिपाही आ अन्य पदसभ सहित 2 लाख सं अधिक कर्मीसभक नियुक्ति कएल गेल अछि। आगामी 5 वर्ष मे राज्य सरकार द्वारा 10 लाख सरकारी नोकरी आ एक करोड़ सं अधिक रोजगार प्रदान करबाक लक्ष्य निर्धारित कएल गेल अछि। एहि परिस्थिति मे 2030 धरि वेतन आ पेंशन पर व्यय कतेको गुणा बढ़बाक संभावना प्रबल अछि।

- Advertisement -spot_imgspot_img
Latest news
- Advertisement -spot_img
Related news

LEAVE A REPLY

Please enter your comment!
Please enter your name here