6.5 C
London
Wednesday, March 4, 2026

एआई समिट मे यूथ कांग्रेसक टी-शर्ट उतारि केलक प्रदर्शन, भाजपा राहुल गांधीक आवासक बाहर लगेलक नारा

– ऑनलइन रजिस्ट्रेशन करा कए भारत मंडपम पहुंचल रहय यूथ कांग्रेसी, लेल गेल हिरासत मे

पटना, समदिया

दिल्ली स्थित भारत मंडपम मे इंडियन यूथ कांग्रेसक कार्यकर्ता सभ शुक्रदिन एआई समिट 2026 मे भारत-अमेरिका व्यापार समझौताक विरोध मे प्रदर्शन कएलनि। कार्यकर्ता सभ टी-शर्ट उतारि प्रधानमंत्री नरेंद्र मोदीक विरोध मे पीएम इज कॉम्प्रोमाइज्ड केर नारा लगौलनि। एकर जवाब मे भाजपा कार्यकर्ता लोकनि सेहो शुक्र कें राहुल गांधीक आवास बाहर प्रदर्शन केलनि आ राहुल गांधी मुर्दाबाद आ राहुल गांधी हाय-हाय केर नारा सेहो लगौलनि।

एहि प्रदर्शनक अनेक वीडियो सेहो सामने आयल अछि। वीडियो मे 15–20 कार्यकर्ता सभक समूह हाथ मे उज्जर रंगक टी-शर्ट लए देखाइत छथि। टी-शर्ट पर प्रधानमंत्री मोदी आ अमेरिकी राष्ट्रपति डोनाल्ड ट्रम्पक तस्वीर अंकित अछि। ताहि पर लिखल अछि – पीएम इज कॉम्प्रोमाइज्ड। दिल्ली पुलिस चारि प्रदर्शनकारी कें गिरफ्तार कएलक अछि। हुनकर पहचान इंडियन यूथ कांग्रेसक सचिव कृष्णा हरि, बिहार राज्य सचिव कुंदन यादव, उत्तर प्रदेश राज्य उपाध्यक्ष अजय कुमार आ राष्ट्रीय समन्वयक नरसिम्हा यादवक रूप मे भेल अछि।

एहि बीच भाजपा आरोप लगौलक जे कांग्रेस षडयंत्र पूर्वक अंतरराष्ट्रीय समिट मे भारतक छवि धूमिल कएलक अछि। भाजपा सांसद संबित पात्रा कहलनि जे ई संयोग नहि, बल्कि एकटा प्रयोग छल। एकर योजना राहुल गांधीक आवास पर बनल, जतय सोनिया गांधी आ प्रियंका गांधी उपस्थित छलीह।

दिल्ली पुलिस मे अतिरिक्त कांस्टेबल देवेश कुमार महला जानकारी देलनि जे ई घटना अपराह्न लगभग 12:30 बजे घटल। प्रदर्शनकारी सभ ऑनलाइन पंजीकरण कएलनि आ क्यूआर कोड स्कैन कए समिट हॉल मे प्रवेश कएलनि।

ओ सभ ऊपर सं स्वेटर आ जैकेट पहिरने छलाह आ भीतर टी-शर्ट। हॉल संख्या 5 केर समीप ओ सभ स्वेटर आ जैकेट उतारि टी-शर्ट लहराबैत विरोध प्रदर्शन कएलनि। पुलिस संग झड़प करबाक आरोप सेहो लगाओल गेल अछि।

दिल्ली पुलिस सूत्रक अनुसार, कांग्रेस कार्यकर्ता सभ पहिने कारी रंगक छाता पर स्टिकर सटा कए भारत मंडपम मे प्रवेश करबाक योजना बनौने छलाह। बाद मे हुनका बुझायल जे द्वार पर जांचक दौरान कारी छाता पकड़ा जाएत। एकर बाद ओ सभ टी-शर्ट पर स्टिकर सटा लेलनि। स्टिकर कतय छपायल गेल, एकर जांच जारी अछि।

दिल्ली पुलिस प्राथमिकी दर्ज कएने अछि। एहि मे कतेको गंभीर आरोप सम्मिलित अछि। गिरफ्तार चारू कार्यकर्ता कें आइ पटियाला हाउस न्यायालय मे प्रस्तुत कएल गेल।

भाजपा कहलनि—कांग्रेस लेल एआई केर अर्थ एंटी-इंडिया

भाजपा एआई समिट मे कांग्रेस कार्यकर्ता सभक प्रदर्शनक आलोचना कएलक अछि। केंद्रीय मंत्री पीयूष गोयल सामाजिक मंच एक्स पर लिखलनि जे ई कांग्रेसक अहंकार आ हताशाक प्रदर्शन अछि। राहुल गांधी लेल भारत कें अपमानित करब सरकार पर आक्रमण करबाक उपाय बनि गेल अछि।

राहुलक आवास बाहर भाजपा कार्यकर्ता सभक प्रदर्शन

एआई समिट मे कांग्रेस कार्यकर्ता सभक प्रदर्शनक बाद शुक्रदिन सांझ पैघ संख्या मे भाजपा युवा मोर्चा कार्यकर्ता सभ दिल्ली मे राहुल गांधीक आवासक बाहर प्रदर्शन करए पहुंचि गेलाह। भाजपा कार्यकर्ता सभ राहुल गांधी मुर्दाबाद आ राहुल गांधी हाय-हाय केर नारा लगौलनि। ओ सभ राहुलक पोस्टर सेहो जरौलनि। व्यापक हंगामाक बाद दिल्ली पुलिस हुनका सभ कें हिरासत मे लए लेलक।

- Advertisement -spot_imgspot_img
Latest news
- Advertisement -spot_img
Related news

LEAVE A REPLY

Please enter your comment!
Please enter your name here