6.5 C
London
Wednesday, March 4, 2026

काल बनि कए दौड़ल ट्रक, 6 मजदूरक मृत्यु, 15 घायल

– आपस मे टकरायल चारि वाहन, बस सेहो भेल क्षतिग्रस्त

भागलपुर, समदिया

भागलपुर जिला मे मंगलदिन सांझ अत्यंत हृदयविदारक सड़क दुर्घटना घटित भेल। चारिटा वाहनक आपसी टक्कर मे कुल छह गोटेक मृत्यु भए गेल। चारि व्यक्तिक प्राण घटनास्थले पर निकलि गेल, जखन कि दू गोटेक मृत्यु अस्पताल लए जाइत काल मार्ग मे भए गेल। एहि दुर्घटना मे घायल 15 गोटेक बिहपुर सामुदायिक स्वास्थ्य केन्द्र (सीएचसी) मे उपचारार्थ पहुंचा देल गेल। चिकित्सकसभ 12 गोटेक स्थिति अत्यंत गंभीर देखि उत्तम उपचार लेल भागलपुर रेफर कए देलनि। रेफर कएल गेल रोगी सभ मे सं दू गोटेक मृत्यु भए गेल, आ शेष 10 गोटेक अवस्था अखनहुं गंभीर बनल अछि।

बेलगाम ट्रक बनल काल

प्रारंभिक जानकारी अनुसार अत्यधिक गति सं आबि रहल ट्रक पहिने एकटा पिकअप वाहन कें जोरदार टक्कर मारलक। टक्कर एतेक प्रबल छल जे पिकअप वाहन असंतुलित भए गेल। तकर बाद ओ सामने सं आबि रहल ई-रिक्शा सं जा टकरायल। ई-रिक्शामे सवार चारू गोटेक घटनास्थले पर मृत्यु भए गेल। दुर्घटना एतेक आकस्मिक आ भीषण छल जे ककरो सं सम्हरबाक अवसर नहि भेटल।

एहि भीषण दुर्घटनाक चपेटमे एकटा बस सेहो आबि गेल। बस गंभीर रूपें क्षतिग्रस्त भए गेल अछि। तथापि बस मे सवार यात्रु सभकें गंभीर चोट लागबाक समाचार नहि अछि। प्रत्यक्षदर्शी सभक कथन अनुसार टक्करक बाद सड़कपर अफरा-तफरी मचि गेल। आसपासक लोकसभ त्वरित सहायता लेल घटनास्थलपर पहुंचि गेलाह आ घायल कें अस्पताल पठेबामे सहयोग कएलनि।

बगड़ी पुलक समीप घटित दुर्घटना

ई दुर्घटना भागलपुर जिलाक खरिक थाना क्षेत्र अंतर्गत बगड़ी पुलक निकट झंडापुर इलाका मे घटित भेल। थानाध्यक्ष नरेश कुमार जनौलनि जे सूचना भेटिते पुलिस तत्क्षण घटनास्थलपर पहुंचल। घायल कें शीघ्र अस्पताल मे भर्ती कराओल गेल अछि। किछु घायल अत्यंत गंभीर अवस्था मे छथि।

जांच मे जुटल पुलिस

पुलिस प्रशासन चारि गोटेक मृत्यु केर आधिकारिक पुष्टि कएने अछि। प्रारंभिक जांच मे दुर्घटनाक मुख्य कारण तेज रफ्तार मानल जा रहल अछि। ट्रक चालक घटनास्थल सं फरार बताओल जा रहल अछि, आ ओकर खोज जारी अछि।

गंभीर रूपें घायल तीन गोटे कें मायागंज अस्पतालमे भर्ती कराओल गेल अछि, जखन कि एक गोटेक उपचार जवाहरलाल नूहरू मेडिकल कॉलेज एंड हॉस्पिटल मे चलि रहल अछि। डीएम आ वरिष्ठ पुलिस अधीक्षक (एसएसपी) सेहो मायागंज अस्पताल पहुंचि स्थितिक जांच केलनि। प्रशासन दुर्घटनाक समुचित जांच कए दोषी विरुद्ध कठोर कार्रवाई करबाक बात कहलनि।

- Advertisement -spot_imgspot_img
Latest news
- Advertisement -spot_img
Related news

LEAVE A REPLY

Please enter your comment!
Please enter your name here