6.5 C
London
Wednesday, March 4, 2026

संसद मे राहुल गांधी कें बजबा सं रोकनाय लोकतंत्रक गला घोंटब समान : कांग्रेस

सीतामढ़ी, समदिया

संगठन सुदृढ़ीकरण लेल 25 फरवरी कें केंद्रीय पर्यवेक्षक संजय छोकर आ प्रदेश पर्यवेक्षक डॉ. गौरव वर्मा गांधी मैदान स्थित ललित आश्रम मे दिन भरि भारतीय राष्ट्रीय कांग्रेस कार्यकर्ता सभ सं विचार-विमर्श कएलनि आ संगठन सृजन लेल नामांकन पत्र स्वीकार कएलनि। जिला कांग्रेस अध्यक्ष रकटू प्रसाद, मुख्य प्रवक्ता प्रमोद नील, प्रदेश प्रतिनिधि मो. अफाक खां, संजय कुमार विररख, डॉ. राजीव कुमार काजू, शम्स शाहनवाज, रितेश रमन सिंह, मोहम्मद असद, कुमार पद्माकर, आफताब बिहारी, सीताराम झा, तारा कांत झा, नसीम खां, चुन्नू सिंह, रोहन गुप्ता, दिलीप पांडे, रितु ठाकुर, संजय सिंह, चंद्रभूषण सिंह सहित अनेक नेता आ कार्यकर्ता विमर्श मे सहभागी भेलाह। वक्तासभ कहलनि जे संगठनक वास्तविक शक्ति कार्यकर्ता सभक अटूट विश्वास मे निहित अछि, तेँ कांग्रेस परिवार कें आर मजबूती देब आवश्यक अछि। ओ सभ कहलनि जे शांतिपूर्ण विरोध प्रदर्शन अपराध नहि अछि। भारतीय युवा कांग्रेस कार्यकर्ता सभक गिरफ्तारी अन्यायपूर्ण अछि। संसद मे जननायक राहुल गांधी कें बोलए सं रोकनाय लोकतंत्रक गला घोंटनाक समान अछि।

- Advertisement -spot_imgspot_img
Latest news
- Advertisement -spot_img
Related news

LEAVE A REPLY

Please enter your comment!
Please enter your name here