ईमेल भेटिते परिसर खाली, जज सहित सभकें बाहर निकालल गेल
फोटो 907
धनबाद। रांची बाद आब धनबाद सं पैघ खबर सामने आयल अछि। बुधदिन धनबाद सिविल कोर्टके बम सं उड़ेबाक धमकी भरल ईमेल भेटला सं न्यायालय परिसरमे हड़कंप मचि गेल।
जानकारी अनुसार कोर्ट प्रशासनके एकटा अज्ञात आईडी सं ईमेल भेटल, जाहिमे परिसर भीतर बम रहबाक आ विस्फोट करबाक बात लिखल छल। सूचना भेटिते प्रधान जिला आ सत्र न्यायाधीश सहित सभ जजके तत्काल न्यायालय भवन सं बाहर निकालल गेल।
एहतियातन पूरा कोर्ट परिसर खाली करा देल गेल। ओहि समय पैघ संख्या मे उपस्थित वकील, मुवक्किल आ कर्मचारी सभके सुरक्षित बाहर निकालल गेल। अचानक सूचना बाद किछु समय लेल परिसर आ आसपास क्षेत्रमे अफरा-तफरी जकां स्थिति बनि गेल।
डॉग स्क्वायड आ बम निरोधक दस्ता तैनात
धमकीक सूचना भेटिते पुलिस आ प्रशासन अलर्ट मोडमे आबि गेल। सिटी एसपी, कतेको डीएसपी आ दर्जनों पुलिसकर्मी घटनास्थल पर पहुंचलाह। कोर्ट परिसरक सभ प्रवेश आ निकास द्वार सील कएल गेल। बम निरोधक दस्ता, मेटल डिटेक्टर आ डॉग स्क्वायडके सेहो तैनात कएल गेल।
सुरक्षा बल कोर्ट परिसरक चप्पे-चप्पेक सघन तलाशी शुरू कएलनि। हाजत, कोर्ट रूम, रिकॉर्ड रूम आ वकील सभक चैंबरक बारीकी सं जांच कएल जा रहल अछि। एहि दौरान पुलिस एकटा मोटरसाइकिल सं रिमोट बरामद कएलक अछि। हालांकि ई रिमोट कोन उपकरण सं जुड़ल अछि, एकर आधिकारिक पुष्टि एखन नहि भेल अछि। एखन धरि कोनो संदिग्ध विस्फोटक सामग्री भेटलाक पुष्टि नहि कएल गेल अछि।
रांचीमे सेहो भेटल छल धमकी
किछु दिन पहिने रांची सिविल कोर्टके सेहो एहन धमकी भेटल छल। एहन स्थिति मे पुलिस ई पहलू पर सेहो जांच क रहल अछि जे दुनू घटनाक पाछां एकहि गिरोह सक्रिय अछि कि ई कोनो सोची-समझी साजिश अछि।
ईमेल भेजनिहारक पहचान लेल साइबर सेल टीम सक्रिय भ गेल अछि। मेलक तकनीकी जांच कए आईपी एड्रेस आ लोकेशन ट्रेस करबाक प्रयास कएल जा रहल अछि। तलाशी अभियान पूरा होए धरि कोर्ट परिसरमे सुरक्षा कड़ी रहत। पुलिस पूरा मामला गंभीरतापूर्वक जांच क रहल अछि।
रांची कलेक्ट्रेटके सेहो उड़ेबाक धमकी
रांचीमे सिविल कोर्टके धमकी बाद आब समाहरणालय अर्थात डीसी ऑफिसके सेहो बम सं उड़ेबाक धमकी भरल ईमेल भेटल अछि। ईमेल सामने आबिते प्रशासन आ पुलिस महकमामे हड़कंप मचि गेल।
सूचना भेटिते पूरा समाहरणालय परिसर घेराबंदी कएल गेल। बम स्क्वायड, डॉग स्क्वायड आ पुलिसक कतेको टीम तत्काल पहुंचि सघन तलाशी शुरू कएलनि। प्रत्येक कक्ष, कार्यालय आ आसपास क्षेत्रक बारीकी सं जांच कएल जा रहल अछि। अधिकारी सभ बतौलनि जे सुरक्षाक संबंधमे कोनो तरहक लापरवाही नहि बरतल जा रहल अछि।



