दरभंगा, समदिया
दरभंगा मे एम्सक निर्माणक जगह फाइनल भए गेल अछि। एकर निर्माण शोभन-एकमी बाइपासक समीप प्रस्तावित जमीन पर होयत। आब सवाल अछि जे एकर निर्माण कहिया शुरू होएत। एकर जवाब शनिदिन स्वास्थ्य विभागक अपर मुख्य सचिव प्रत्यय अमृत देलनि। ओ कहलनि जे एहि सालक अंत सं पहिने राज्य सरकारक देल जमीन पर काज शुरू भए जाएत।
दरभंगा पहुंचल प्रत्यय अमृत एम्सक प्रश्न पर कहलनि जे राज्य सरकारक प्रतिबद्धता जमीन, पानि आ सड़कक व्यवस्था करब अछि। एहि तीनू पक्ष पर बहुत सकारात्मक काज भए रहल अछि। ओ कहलनि जे, भारत सरकारक पत्र आबि गेल अछि। राज्य सरकारक प्रतिबद्धताक अनुसार जमीन देल जा रहल अछि। करीब 70 प्रतिशत जमीन उपलब्ध अछि आ ओकरा अधिग्रहण करय पड़त। भारत सरकारक सचिव सं बहुत सकारात्मक गपसप भेल अछि। एहि सालक अंत सं पहिने ओतय काज शुरू भए जाएत।
असल मे स्वास्थ्य विभागक अपर मुख्य सचिव प्रत्यय अमृत शनिदिन डीएमसीएच पहुंचल छलाह। जतय ओ एम्स निर्माण, नवनिर्मित सर्जरी भवन आ सुपरस्पेशलिटी अस्पतालक निरीक्षण केलनि आ अधिकारी सब संग बैसार केलनि। बैसार मे ओ बीएमएसआईसीएल केर अधिकारी कें सुपरस्पेशलिटी अस्पताल मे इनडोर सेवा शुरू करबाक आ नवनिर्मित सर्जरी भवन मे शेष काज कें अति शीघ्र पूरा करबाक निर्देश देलनि।
डीएमसीएच कें नीक बनेबाक अछि लक्ष्य
प्रत्यय अमृत कहलनि जे एम्सक निर्माण अपन स्थान पर अछि। मुदा डीएमसीएच कोना नीक सं नीक भए सकैत अछि। एकरा लेल प्राक्कलनक अनुसार काज करबाक चाही। हम स्वयं एकर निगरानी कए रहल छी। ओ इहो कहलनि जे 2 मासक भीतर हम स्वयं फेर एतय आयब। ता धरि शेष काज पूरा भए जायत। एहि संबंध मे निर्देश देल गेल अछि। एहि अवसर पर डीएमसीएच केर प्राचार्य, अधीक्षक, डॉक्टर आ कर्मचारी उपस्थित छलाह।



