कुख्यात प्रिंस गुप्ता घायल
बोकारो। बोकारो मे पुलिस आ कुख्यात अपराधी प्रिंस गुप्ता उर्फ भाटिया गैंग बीच मुठभेड़ भेल। ई घटना बालीडीह ओपी क्षेत्रक गौडा बालीडीह पहाड़ी पर घटल। पुलिस अनुसार हथियार बरामदगी दौरान अचानक गोलीबारी शुरू भए गेल।
जवाबी कार्रवाई करैत पुलिस सेहो फायरिंग कएलक, जाहि मे प्रिंस गुप्ताक पैर मे गोली लागल। घायल अवस्था मे ओकरा तुरंत अस्पताल मे भर्ती कएल गेल, जतय ओकर इलाज चलि रहल अछि।
जिला मे हालहि मे रंगदारी, चोरी आ छिनतई कतेको मामला सामने आबि रहल छल। एहि घटना सभ मे अमन साहू (मृत), राहुल दुबे, मयंक सिंह आ प्रिंस खान गिरोहक नाम सामने आएल छल। कारोबारी सभ सं मोबाइल फोन पर धमकी द कए रंगदारी मांगल जा रहल छल, जाहि सं व्यवसायी वर्ग मे डरक माहौल बनल छल।
एहि घटनाक गंभीरता कें देखैत वरीय पदाधिकारीक निर्देश पर सिटी डीएसपी आलोक रंजन नेतृत्व मे एसआईटी गठन कएल गेल छल, जे पूरा मामला क गहन जांच कए रहल छल।
जांचक क्रम मे गिरफ्तार प्रिंस गुप्ताक निशानदेही पर पुलिस टीम हथियार बरामद करबाक लेल गौडा बालीडीह पहाड़ी पहुंचल छल। एहि दौरान ओ पहिने एकटा पिस्टल पुलिस कें सौंपलक, मुदा अचानक दोसर हथियार सं पुलिस पर फायरिंग शुरू कए देलक।
पुलिस तत्परता देखबैत जवाबी कार्रवाई कएलक, जाहि मे ओकरा गोली लागल आ ओ घायल भए गेल। एहि घटना सं इलाका मे सनसनी फैलि गेल, मुदा पुलिस स्थिति कें तुरंत नियंत्रित कए लेलक।
एहि कार्रवाई मे पुलिस प्रिंस गुप्ता सहित कुल सात अपराधी कें गिरफ्तार कएने अछि। अन्य आरोपी मे श्याम कुमार सिंह, अजय सिंह, ओम प्रकाश पॉल, जयनेन्द्र शुक्ला, गोलू कुमार आ भूपेंद्र सिंह शामिल छथि।
पुलिस आरोपी सभक पास सं देसी कट्टा, पिस्टल, जिंदा कारतूस, आठ मोबाइल फोन, एकटा स्कूटी सहित अन्य सामान बरामद कएने अछि। पुलिस अनुसार प्रिंस गुप्ता गिरोहक मुख्य सरगना अछि आ ओकरा खिलाफ जिला क विभिन्न थाना मे करीब 10 मामला दर्ज अछि। एखन पुलिस पूरा गिरोहक नेटवर्क कें खंगालए मे जुटल अछि।



