11.8 C
London
Friday, April 3, 2026

बिहारक 80 हजार स्कूलक बदलत टाइम टेबल, 6 अप्रैल सं मॉर्निंग शिफ्ट

 भोर 6:30 बजे सं शुरू होयत क्लास

फोटो 202

पटना। बिहारक सरकारी स्कूलमे पढ़ैत लाखो छात्रसभ लेल पैघ खबर अछि। राज्यक करीब 80 हजार सरकारी विद्यालय एखन 6 अप्रैल सं मॉर्निंग शिफ्ट मे संचालित हएत। एहि बदलाव अंतर्गत स्कूल भोर 6:30 बजे खुलत आ दुपहर 12:20 बजे बच्चासभक छुट्टी कएल जाएत, जखनकि शिक्षकसभ कें 12:30 बजे धरि स्कूल मे रहबाक होएत।

ई निर्णय बढ़ैत गरमी कें नजरि मे राखि कएल गेल अछि, जाहि सं छात्रसभ कें तेज धूप आ लू सं बचावल जा सकए। कतेको जिलामे एहि संबंध मे आदेश जारी कएल जा चुकल अछि, जे माध्यमिक शिक्षा निदेशकक पूर्व निर्देश पर आधारित अछि।

नव टाइम टेबल अनुसार भोर 6:30 बजे सं 7:00 बजे धरि प्रार्थना आ चेतना सत्र आयोजित कएल जाएत। एकरा बाद 7:00 बजे सं कक्षाक शुरुआत हएत। पहिल घंटी 7:00 सं 7:40 बजे धरि, दोसर 7:40 सं 8:20 बजे धरि आ तेसर 8:20 सं 9:00 बजे धरि चलत।

9:00 सं 9:40 बजे धरि मध्यांतर राखल गेल अछि। एहि दौरान प्रारंभिक विद्यालयमे बच्चासभ कें मध्याह्न भोजन देल जाएत। एकरा बाद 9:40 सं 10:20 बजे धरि चारिम घंटी क पढ़ाइ हएत।

एकरा बाद 10:20 सं 11:00 बजे धरि पांचम, 11:00 सं 11:40 बजे धरि छठम आ 11:40 सं 12:20 बजे धरि सातम घंटी चलत। सातम घंटी क बाद 12:20 बजे बच्चासभक छुट्टी कएल जाएत।

बच्चासभक छुट्टी क बाद 12:20 सं 12:30 बजे धरि शिक्षकसभ प्रधानाध्यापकक देखरेख मे दिनभरक पढ़ाइ क समीक्षा कएल जाएत। संगहि दोसर दिनक योजना आ देल गेल होमवर्कक जांच सेहो कएल जाएत।

शिक्षा विभाग स्पष्ट कएलक अछि जे नव टाइम टेबल संग पढ़ाइक गुणवत्ता सुधार पर विशेष जोर देल जाएत। एहि लेल विभिन्न स्तर पर निगरानीक व्यवस्था कएल गेल अछि, जाहि सं बच्चासभ कें बेहतर शिक्षा भेट सकए।

- Advertisement -spot_imgspot_img
Latest news
- Advertisement -spot_img
Related news

LEAVE A REPLY

Please enter your comment!
Please enter your name here