दरभंगा| नगर थाना क्षेत्रक बड़ा बाजार मे शुक्र दिन दुपहर एकटा सनसनीखेज लूटक घटना सामने आयल अछि। हथियार सं लैस अपराधी ‘प्रेम ज्वेलर्स’ नामक होलसेल दुकान मे धावा बोलि करीब 2 करोड़ रुपयाक गहना आ नगदी लूटि कए फरार भए गेलाह। घटना करीब दुपहर 2:55 बजे क बताओल जा रहल अछि, जतय बाजार मे पैघ भीड़-भाड़ छल।
प्रत्यक्षदर्शी आ पीड़ित दुकानदार मनोज कुमार अनुसार चारि नकाबपोश बदमाश अचानक दुकान मे घुसि गेलाह आ पिस्टल बल पर पूरा शोरूम अपन कब्जा मे लए लेलनि। बदमाश सभ ग्राहक आ कर्मचारी सभ केँ डराबय लेल गाली-गलौज आ मारपीट सेहो कएलनि। किछु मिनट मे ओ सभ सोना-चांदीक गहना आ नगदी भरल 4-5 बैग लए कए फरार भए गेलाह।
मनोज कुमार बतौलनि जे ओहि समय ओ ग्राहक सभ सं लेन-देन मे व्यस्त छलथि। हुनकर कहल अछि, “हमसभ बहुत डेराएल रही, एही कारण विरोध नहि कएलहुँ।” बदमाश सभ सीसीटीवीक डीवीआर आ वाई-फाई सिस्टम सेहो तोड़ि देलक, जाहि सं कोनो सबूत नहि बचि सकय।
लूटक आंकड़ा
प्रारंभिक जानकारी अनुसार करीब 1.5 करोड़ रुपयाक सोना-चांदीक गहना आ 22-25 लाख रुपया नगद लूटल गेल अछि। दुकानदार अनुसार वास्तविक नुकसान स्टॉक मिलान बादे स्पष्ट होएत।
पुलिस पर उठल सवाल
घटना बाद स्थानीय लोकसभ मे आक्रोश देखाएल। आरोप अछि जे एतेक व्यस्त इलाका मे एहन घटना होएला परो पुलिस केँ समय पर जानकारी नहि भेटल आ सूचना क करीब आधा घंटा बाद पुलिस घटनास्थल पर पहुंचल।
हालांकि सूचना भेटिते मिथिला क्षेत्रक डीआईजी मनोज तिवारी आ एसएसपी जगन्नाथ रेड्डी भारी पुलिस बल संग पहुंचि जांच शुरू कएलनि।
20 मिनट मे पूरा वारदात
बताओल जा रहल अछि जे करीब 20 मिनट भीतर बदमाश सभ पूरा वारदात अंजाम देलक। चारि मे सं तीन नकाबपोश छलथि, जखनकि एकटा बदमाशक चेहरा खुलल छल। हथियार बल पर दुकान मे मौजूद करीब नौ लोक केँ जान सं मारबाक धमकी दे कए दुकान बंद कराओल गेल आ काला बैग मे गहना भरि कए फरार भए गेलाह।
एहि दौरान खरीददारी करय आएल नेहरा थाना क्षेत्रक रणधीर ठाकुरक गला सं सोना चैन सेहो छीनि लेल गेल।
जांच तेज कएल गेल
डीआईजी मनोज तिवारी कहलनि जे मामला गंभीर अछि, एहि लेल कतेको थाना पुलिस केँ जांच मे लगाओल गेल अछि। आसपासक सीसीटीवी फुटेज खंगालल जा रहल अछि। पुलिस अनुसार बदमाश सभक उम्र 25 सं 30 वर्ष बीच अछि।
पूरा जिला मे नाकाबंदी कएल गेल अछि आ अपराधी सभक गिरफ्तारी लेल छापेमारी जारी अछि। एहि घटना सं फेर एक बेर बिहारक कानून-व्यवस्था पर सवाल उठय लागल अछि।



