11.8 C
London
Friday, April 3, 2026

वैशाली मे सीएम नीतीश कुमार बुद्ध सम्यक दर्शन संग्रहालयक कएलनि दौरा, नव रस्ताक उद्घाटन

हाजीपुर| मुख्यमंत्री नीतीश कुमार शुक्र दिन बुद्ध सम्यक दर्शन संग्रहालय सह स्मृति स्तूप परिसर, वैशालीक भ्रमण कएलनि। एहि दौरान ओ पर्यटक सुविधा, व्यवस्था आ कएल गेल विकास काजक जानकारी लेलनि आ अधिकारी सभ कें आवश्यक निर्देश देलनि।

मुख्यमंत्री बुद्ध सम्यक दर्शन संग्रहालय सह स्मृति स्तूप सं प्राचीन मृदा धातु स्तूप धरि जाए बला नवनिर्मित रास्ताक फीता काटि उद्घाटन कएलनि आ परिसर मे शिलापट्ट पर उत्कीर्ण बौद्ध प्रतीक सभक अर्थ आ उपदेशक अवलोकन कएलनि। ओ स्मृति स्तूपक भू-तल पर अधिष्ठापित भगवान बुद्धक पूजा-अर्चना सेहो कएलनि।

एहि अवसर पर मुख्यमंत्री कहलनि जे वैशाली ऐतिहासिक आ पौराणिक भूमि अछि आ एतय संग्रहालय सह स्मृति स्तूपक निर्माण नीक तरीका सं कएल गेल अछि।

ओ कहलनि जे पूरा परिसर कें पर्यावरणीय दृष्टि सं विकसित कएल गेल अछि, जाहि सं एतय आबय बला पर्यटक सभ कें सुखद अनुभव भेटत। ओ परिसरक समुचित रखरखाव सुनिश्चित करबाक निर्देश देलनि।

पर्यटन सर्किट सं जोड़ल गेल बौद्ध स्थल

मुख्यमंत्री कहलनि जे ई परियोजना वैशाली कें वैश्विक स्तर पर प्रतिष्ठित करबाक संग पर्यटन, संस्कृति आ रोजगार कें बढ़ावा देत। ओ बतौलनि जे राज्य सरकार भगवान बुद्ध सं जुड़ल स्थल सभक विकास कए एकटा सर्किट सं जोड़ने अछि।

बोधगया सं राजगीर, पटना, वैशाली, केसरिया स्तूप, लौरिया नंदनगढ़ होइत पश्चिमी चंपारणक धनाह-रतवल (गौतम बुद्ध) सेतु माध्यम सं कुशीनगर धरि पर्यटक जा सकैत छथि।

एहि अवसर पर उप मुख्यमंत्री सम्राट चौधरी, विधायक सिद्धार्थ पटेल, मुख्यमंत्री प्रधान सचिव दीपक कुमार, सचिव अनुपम कुमार, भवन निर्माण विभागक सचिव कुमार रवि, कला संस्कृति विभागक सचिव प्रणव कुमार, सचिव डॉ. चंद्रशेखर सिंह, तिरहुत प्रमंडलक आयुक्त गिरिवर दयाल सिंह, जिलाधिकारी वर्षा सिंह, पुलिस अधीक्षक विक्रम सिहाग, बौद्ध भंते सहित अन्य गणमान्य लोक उपस्थित छलाह।

- Advertisement -spot_imgspot_img
Latest news
- Advertisement -spot_img
Related news

LEAVE A REPLY

Please enter your comment!
Please enter your name here