9.7 C
London
Sunday, April 5, 2026

कटिहार मे पुलिसकर्मी कें दौड़ा-दौड़ा कए पिटलक , छिनलक राइफल

– पुलिस कस्टडी मे एक व्यक्तिक मृत्यु भेला सं आक्रोशित भेल लोक

फोटो : कटिहार

कटिहार, समदिया

कटिहार जिला मे शनिदिन पुलिस अभिरक्षा मे एक युवकक मृत्युक बाद उपद्रव शुरू भए गेल। फलका थाना क्षेत्र मे आक्रोशित ग्रामीण सभ केवल स्टेट हाईवे-77 कें अवरुद्ध नहि कएलक, बल्कि उग्र भीड़ पुलिस दल कें खिहाड़ि-खिहाड़ि कए हमला कएलक। एहि हिंसात्मक झड़प मे अनेक पुलिसकर्मी गंभीर रूप सं घायल भए गेलाह आ उपद्रवी सभ एक सिपाहीक सरकारी राइफल सेहो छीनि लेलक। परिस्थिति एतेक अनियंत्रण भए गेल जे भीड़ थाना परिसर मे प्रवेश कए व्यापक तोड़-फोड़ कएलक।

मृतकक पहिचान गोपालपट्टी ग्राम निवासी 24 वर्षीय राकेश कुमार यादवक रूप मे भेल अछि। पुलिसक अनुसार दू दिन पूर्व मोटरसाइकिल छीनतइ प्रकरण मे संदिग्ध मानि राकेश कें गिरफ्तार कएल गेल छल। शनिदिन प्रातः थानाक हाजत मे हुनकर स्वास्थ्य आकस्मिक रूप सं बिगड़ि गेल। पुलिस शीघ्रतापूर्वक हुनका फलका सामुदायिक स्वास्थ्य केन्द्र लए गेल, जतय सं सदर अस्पताल लेल रेफर कएल गेल, किन्तु रस्ते मे हुनक मृत्यु भए गेल।

राकेशक मृत्यु समाचार भेटिते परिजन आ ग्रामीण सभ आक्रोशित भए गेलाह। परिजन सभक आरोप अछि जे पूछताछक नाम पर पुलिस द्वारा राकेशक निर्दयतापूर्वक पिटाई कएल गेल, जाहि कारण ओकर मृत्यु भए गेल। ग्रामीण सभ एहि घटना कें पुलिसिया हत्या बतबैत दोषी कर्मी सभ पर प्राथमिकी दर्ज करबाक मांग कए फलका मुख्य चौक कें अवरुद्ध कए देलक।

पोठिया ओपी अध्यक्ष सहित अनेक घायल

जखन पुलिस भीड़ कें बुझेबाक प्रयत्न कएलक, तखन प्रदर्शनकारी सभ अधिक उग्र भए गेल। भीड़ पुलिस पर पथराव शुरू कए देलक आ जवान सभ कें खिहाड़ैत थाना परिसर धरि पहुंचि गेल। एहि आक्रमण मे पोठिया ओपी अध्यक्ष नवीन कुमार आ सिपाही संजीव कुमार गंभीर रूप सं घायल भए गेलाह। संजीव कुमारक माथा पर गंभीर आघात पहुंचल। हंगामाक बीच भीड़ एक पुलिसकर्मीक राइफल छीनि कए फरार भए गेल, जाहि सं संबंधित वीडियो सोशल मीडिया पर वायरल भए रहल अछि।

थानाध्यक्ष सहित दू निलंबित

मामिलाक गंभीरता कें देखैत कटिहार पुलिस अधीक्षक प्रेस विज्ञप्ति जारी कए कहलनि जे राकेश प्राथमिक अभियुक्त छलाह आ हाजत मे फांसी लगा आत्महत्या करबाक प्रयास कएने छलाह, उपचारक क्रम मे हुनकर मृत्यु भए गेल। तथापि प्ररंभिक दृष्टि सं लापरवाहीक आरोप मे थानाध्यक्ष रवि कुमार राय आ अनुसंधानकर्ता कुंदन कुमार पटेल कें तत्काल प्रभाव सं निलम्बित कए देल गेल अछि। संपूर्ण क्षेत्र एखन पुलिस निगरानी मे अछि आ अतिरिक्त बल तैनात कएल गेल अछि।

रक्षके भक्षक बनि गेल अछि : पप्पू यादव

सांसद पप्पू यादव सोशल मीडिया पर आक्रोश व्यक्त करैत लिखलनि जे बिहार पुलिस आब सामान्य नागरिकक रक्षक नहि, अपितु भक्षक बनि रहल अछि। ओ मुजफ्फरपुरक जगतवीर राय हत्याकांडक उल्लेख करैत आरोप लगौलनि जे फलका थाना मे राकेश कुमार यादव कें पिटि-पिटि कए मारि देल गेल। ओ पुलिस कें अपराधी सभक संरक्षक कहैत दोषी पर कठोर कार्रवाईक मांग कएलनि।

- Advertisement -spot_imgspot_img
Latest news
- Advertisement -spot_img
Related news

LEAVE A REPLY

Please enter your comment!
Please enter your name here