9.7 C
London
Sunday, April 5, 2026

गर्लफ्रेंड तं छोड़ू, नौकरानी सेहो निकलल करोड़पति

– भ्रष्टाचारक आरोप मे घेरायल किशनगंजक डीएसपीक मामिला लगभग 80 करोड़ धरि पहुंचल

– पत्नी लेल किनने रहथि 20 लाखक थार

पटना, समदिया

सब-इंस्पेक्टर सं एसडीपीओ धरि पहुंचल गौतम कुमारक सेवा यात्रा आब विवादक केंद्र बनि गेल अछि। बिहार पुलिसक 1994 बैचक सब-इंस्पेक्टर रहल गौतम कुमार, जे वर्तमान मे किशनगंज मे डीएसपी पद पर कार्यरत छलाह, हुनकर विलासितापूर्ण जीवनशैली आब हुनक लेल कठिनाइक कारण बनि गेल अछि। वर्ष 2013 मे इंस्पेक्टर आ 2019 मे डीएसपी बनल गौतम कुमार पर आरोप अछि जे ओ अत्यधिक संपत्ति अर्जित केने छथि। आर्थिक अपराध इकाई (ईओयू) द्वारा मंगलदिन पूर्णिया, पटना, किशनगंज आ सिलीगुड़ी सहित कुल 8 ठाम पर एक संग छापामारी कएल गेल। जांच मे ई तथ्य सामने आएल जे हुनकर पत्नी, जे सरकारी शिक्षिका छथि, लगभग 20 लाख मूल्यक थार वाहनक उपयोग करैत छथि, जाहि पर अवैध रूप सं पुलिसक चिह्न अंकित छल। एकर संगहि ईओयू केर जांच मे इहो सामने आयल जे हुनकर नौकरानी सेहो करोड़ोक संपत्तिक मालकिन अछि। ईओयू टीम कें हुनक नौकरानीक नाम कतेको गहना, जमीन आदिक प्रमाण भेटल छल।

छापामारी मे लगभग 2.5 करोड़ मूल्यक भवन, नोएडा आ गुड़गांव मे निवेश तथा लगभग 60 लाख मूल्यक आभूषण बरामद कएल गेल अछि। वर्तमान मे गौतम कुमार कें पदं सं हटा देल गेल अछि आ हुनका विरुद्ध निलंबन तथा धन शोधन (मनी लॉन्ड्रिंग) संबंधी कारवाई होयबाक संभावना व्यक्त कएल जा रहल अछि।

पत्नी लेल सासुर लग बनौलनि घर

किशनगंजक डीएसपी गौतम कुमार पूर्णिया स्थित अपन सासुरक समीप लगभग 3600 वर्ग फीट क्षेत्र मे चारि तल्लाक भव्य भवन निर्माण करौने छथि। एहि भवनक अनुमानित मूल्य लगभग 2.5 करोड़ टाका बताओल जा रहल अछि, जखनकि आन्तरिक सज्जा पर एक करोड़ सं अधिक व्यय कएल गेल अछि। हुनकर पत्नी सरकारी विद्यालय मे शिक्षिका छथि, किन्तु हुनकर जीवनशैली अत्यन्त समृद्ध मानल जा रहल अछि। छापामारी मे 20 लाख मूल्यक महिन्द्रा थार आ हुंडई क्रेटा सन वाहन बरामद भेल अछि। परिवारक अन्य सदस्य सेहो उच्च सरकारी पद पर कार्यरत छथि आ महग वाहनक स्वामी छथि।

आब ईडी करत मामिलाक जांच

गंभीर भ्रष्टाचारक आरोपक बाद गौतम कुमार कें तत्काल प्रभाव सं पदमुक्त कए पुलिस मुख्यालय उपस्थित होयबाक निर्देश देल गेल अछि। मंगलेश कुमार सिंह कें किशनगंजक अतिरिक्त प्रभार सौंपल गेल अछि। आर्थिक अपराध इकाई संपत्तिक सम्पूर्ण विवरण गृह विभाग कें प्रेषित कए देलक अछि, जकर बाद निलंबन निश्चित मानल जा रहल अछि। आब एहि प्रकरण मे प्रवर्तन निदेशालय द्वारा धन शोधनक दृष्टिकोण सं लगभग 80 करोड़ मूल्यक कथित बेनामी सम्पत्तिक जांच कएल जाएत।

- Advertisement -spot_imgspot_img
Latest news
- Advertisement -spot_img
Related news

LEAVE A REPLY

Please enter your comment!
Please enter your name here