12.6 C
London
Sunday, April 5, 2026

बिहार मे मौसमक डबल अटैक, पारा 40 डिग्री पार,  तेज रौद सं लू जकां हालत

 6 अप्रैल कें कतेको जिला मे अन्हर-बिहाड़िक अलर्ट

फोटो 201

पटना। बिहार मे मौसम फेर करवट लेलक अछि। मौसम विज्ञान केंद्र अनुसार राज्य मे आगू 5 दिन धरि भीषण गर्मी आ खराब मौसमक दोहरा असरि देखए कें भेटत।

एक दिस जतय तापमान 40 डिग्री सेल्सियस सं ऊपर पहुंचि कए लू जकां स्थिति बना रहल अछि, ओतहि दोसर दिस 6 अप्रैल कें कतेको जिला मे अन्हर, बरखा आ ओलावृष्टिक चेतावनी जारी कएल गेल अछि। एहि स्थिति मे लोक सभ कें गर्मी आ मौसम क मार दुनू सं सतर्क रहबाक जरूरत अछि।

पिछला 24 घंटा क दौरान पूरा बिहार मे तापमान मे तेज बढ़ोतरी दर्ज कएल गेल अछि। दक्षिण-पश्चिमी इलाका मे गर्मी सबसं बेसी असर देखौने अछि।

रोहतास क डेहरी मे अधिकतम तापमान 40.0डिग्री दर्ज कएल गेल, जे राज्य मे सबसं बेसी रहल। गया मे 39.8डिग्री, पटना मे 39.4डिग्री आ शेखपुरा मे 39.9डिग्री तापमान रिकॉर्ड कएल गेल अछि। लगभग सभ जिला मे तापमान 1 सं 2.5 डिग्री सेल्सियस धरि बढ़ल अछि।

मौसम विभाग अनुसार तेज रौद आ पश्चिमी हवा क कारण आगू किछु दिन धरि लू जकां हालात बनल रहि सकैत अछि, विशेष रूप सं दोपहर क समय बाहर निकलनाइ खतरनाक भऽ सकैत अछि।

6 अप्रैल लेल विशेष अलर्ट: तीन जोन मे बांटल गेल बिहार

मौसम विभाग 6 अप्रैल कें लए राज्यक जिला सभ कें तीन हिस्सा मे बांटलक अछि।

दक्षिण-पश्चिमी बिहार क बक्सर, भोजपुर, कैमूर, रोहतास आ औरंगाबाद जिला मे तेज अन्हर आ ओलावृष्टि कें लए ऑरेंज अलर्ट जारी अछि। एहि दौरान 50–60 किलोमीटर प्रति घंटा क रफ्तार सं तेज हवा चलि सकैत अछि।पूर्वी बिहारक किशनगंज, पूर्णिया, कटिहार आ भागलपुर जिला मे फिलहाल कोनो गंभीर चेतावनी जारी नहि कएल गेल अछि, मुदा मौसम मे बदलाव क संभावना बनल अछि।

- Advertisement -spot_imgspot_img
Latest news
- Advertisement -spot_img
Related news

LEAVE A REPLY

Please enter your comment!
Please enter your name here