दरभंगा, समदिया
बिहारक तेज-तर्रार आईपीएस अधिकारी मे सं एक काम्या मिश्रक इस्तीफाक खबरि चलि रहल अछि। काम्या मिश्र एखन ग्रामीण पुलिस अधीक्षक दरभंगाक पद पर छथि। एतय इहो बताबी जे किछु दिन पहिने वीआईपी चीफ मुकेश सहनीक पिता जीतन साहनीक हत्याक जांचक लेल बनल एसआईटी केर नेतृत्व सेहो काम्या मिश्रा कए रहल छलीह। मुदा आब अचानक हुनकर इस्तीफाक बारे मे अलग-अलग मीडिया रिपोर्ट मे अटकलबाजी भए रहल अछि। मुदा एखन धरि हुनकर इस्तीफाक संबंध मे कोनो आधिकारिक पुष्टि नहि भेल अछि। ओना दूरभाष पर एकटा मीडिया कर्मी कें काम्या मिश्र कहलनि जे ओ इस्तीफा दए देने छथि।
काम्या मिश्राक बारे मे कहल जाइत अछि जे हुनका महज 22 सालक उम्र मे साल 2019 मे आईपीएस अधिकारी बनबाक गौरव भेटल छनि। मीडिया रिपोर्टक अनुसार काम्या मिश्रा मूल रूप सं ओडिशाक रहय वाली छथि। पहिल प्रयास मे यूपीएससी परीक्षा पास करय वाली काम्या मिश्रा अपन काजक कारण खबरि मे बनल रहैत छथि।
इहो कहल जाइत अछि जे काम्या मिश्रा कें पहिने हिमाचल प्रदेशक कैडर भेटल छल। मुदा बाद मे हुनका बिहार कैडर देल गेलनि। काम्या मिश्राक पति अवधेश सरोज दीक्षित सेहो आईपीएस अधिकारी छथि। काम्या मिश्रा पटना सचिवालयक डीएसपी रहथि। एहि पद पर रहैत हिनक कार्यशैली आम लोक कें नीक लागल। काम्या मिश्रा अपराधी पर कड़ा रुख अपनेबाक लेल जानल जाइत छथि।
जीतन सहनी हत्याकांडक लेल बनल विशेष जांच टीमक नेतृत्व काम्या मिश्रा कए रहल छलीह। एहि टीम मे एसडीपीओ, बिरौल थाना सहित किछु अन्य अधिकारी शामिल छथि। काम्या मिश्रा एहि मामलाक बहुत गहींर जांच केने छलीह आ बाद मे आरोपी सेहो पकड़ल गेल। मुदा फिलहाल किछुए मीडिया रिपोर्ट मे काम्या मिश्राक इस्तीफा कें लए कए अटकलबाजी भए रहल अछि। एहि संबंध मे अखन धरि कोनो आधिकारिक बयान नहि आयल अछि।
राजनीति मे अयबाक चर्चा, की पीके केर संग औती?
प्रधानमंत्री नरेंद्र मोदी आओर मुख्यमंत्री नीतीश कुमारक संग काज करय वला प्रशांत किशोर यानी पीके 2 अक्टूबर कें राजनीतिक पार्टीक रूप मे बिहारक राजनीति मे उतरय जा रहल छथि। ओ बिहारक सभ विधानसभा सीट पर चुनाव लड़बाक घोषणा सेहो केने छथि आओर अपन एक-एकटा उम्मीदवारक जीतक गारंटी सेहो दए रहल छथि। रविदिन ओ पटना मे युवा सबहक बीच एकटा पैघ कार्यक्रम सेहो केलनि। एहि समाचार मे पीके पर चर्चा एहि लेल भए रहल अछि जे दरभंगा मे खूब बहस भए रहल अछि जे काम्या मिश्रा राजनीति मे उतरय वल छथि आओर ओ सेहो पीके केर संग आबय वाली छथि। काम्या मिश्रा स्वयं इस्तीफाक कारण व्यक्तिगत बताबैत अखन एहन कोनो संभावना पर चुप छथि। मुदा, जं ई मामला आगू बढ़त तखन ओ 2 अक्टूबर या ओहि सं पहिने एकटा पैघ घोषणा कए सकैत छथि। बिहार मे आईपीएस सं राजनीति मे आयल सुनील कुमार मंत्री छथि, हालांकि गुप्तेश्वर पांडेय डीजीपी पद सं इस्तीफा दए कए राजनीति मे अबैत-जाइत रहलाह अछि।



