वित्त मंत्रीक पेश बजट पर नीतीश कुमार देलनि प्रतिक्रिया
पटना, समदिया
मंगलदिन बिहार विधानमंडल मे वित्त मंत्री विजेन्द्र प्रसाद यादव वित्तीय वर्ष 2026-27क बजट पेश कएलनि। ई विकसित बिहारक संकल्प पूरा करय वला बजट अछि। बजट पर प्रतिक्रिया दैत मुख्यमंत्री नीतीश कुमार ई बात कहलनि।
मुख्यमंत्री अपन सोशल साइट एक्स पर लिखलनि जे न्याय सं विकासक सिद्धांत पर आधारित एहि बजट मे सभ क्षेत्रक संगहि किसान, उद्यमी, युवा आ महिला सहित समाजक सभ वर्गक ख्याल राखल गेल अछि। ई बजट सम्पूर्ण, समावेशी आ विकास कें गति देनिहार अछि। एहि वर्ष बिहारक बजट 3 लाख 47 हजार करोड़ रुपैया सं बेसी अछि, जे पिछला वर्षक तुलना मे 30 हजार करोड़ रुपैया सं बेसी अछि।
ओ कहलनि जे वित्तीय वर्ष 2026-27 मे बिहारक विकास दर 14.9 प्रतिशत रहबाक अनुमान अछि। ई बजट सरकार द्वारा लागू कएल गेल सात निश्चय-3 कार्यक्रम सभ कें पूरा करय मे बहुत मददगार साबित होयत। हम सभ आगू पांच वर्ष मे एक करोड़ युवाकें नौकरी आ रोजगार देबाक लक्ष्य तय कएने छी। राज्य मे वित्तीय संसाधनक उचित प्रबंधन कए युवा सभ कें नौकरी आ रोजगार देबाक काज शुरू कएल गेल अछि।
नीतीश कुमार बतौलनि जे मुख्यमंत्री महिला रोजगार योजना अंतर्गत हर परिवारक एक महिला कें रोजगार लेल 2 लाख रुपैया सहायता देबाक प्रावधान कएल गेल अछि। राज्य मे उद्योग कें बढ़ावा देल जा रहल अछि। ई बजट प्रत्येक परिवार कें अवसर देबाक, प्रत्येक युवा केर कौशल विकास आ महिला सशक्तीकरणक उद्देश्य पूरा करत। शिक्षा, स्वास्थ्य आ कृषि क्षेत्र मे सरकारक प्रयास सं भेल विकास कें आगू बढ़ेबाक लेल सेहो एहि बजट मे विशेष प्रावधान कएल गेल अछि। मुख्यमंत्री कहलनि जे बिहार बजट 2026-27 राज्यक अर्थव्यवस्था केर विकासक गति तेज करय मे अत्यंत महत्वपूर्ण भूमिका निभाओत। राज्य सरकारक अपन राजकोषीय संसाधनक समुचित प्रबंधन सं बिहारक विकास तीव्र गति सं संभव होयत। बिहारक विकास मे केन्द्र सरकारक पूरा सहयोग भेट रहल अछि। आगू किछु वर्ष मे बिहार देशक सर्वाधिक विकसित राज्य सभक श्रेणी मे शामिल भए सकत।



