6.5 C
London
Wednesday, March 4, 2026

आजादीक बाद लोकक औसत आयु 35 सं 40 वर्ष छल, जे आब बढ़ि कए 70 वर्ष भए गेल अछि : बिनोद नारायण झा

– कटैया मे 38.50 लाख रुपैयाक लागति सं बनय जा रहल हेल्थ एंड वेलनेस सेंटर भवनक शिलान्यास केलनि विधायक

बेनीपट्टी, समदिया

प्रखंडक कटैया गाम मे सरकार भवनक समीप बनय जा रहल हेल्थ एंड वेलनेस सेंटरक भवन निर्माण कार्यक शिलान्यास रविदिन विधायक बिनोद नारायण झा, प्रमुख सोनी देवी, पूर्व जिला परिषद सदस्य राजेश यादव आ अन्य गणमान्य व्यक्तिक उपस्थिति मे कयल गेल। एहि सं पूर्व विधायक सहित उपस्थित अतिथि सभक मिथिलाक परंपरा अनुसार पाग, दोपटा आ पुष्पमाला सं सम्मान कयल गेल।

अवसर पर विधायक श्री झा कहलनि जे स्वास्थ्य सेवा प्रत्येक गाम आ टोला धरि सुलभ हो, एहि उद्देश्य सं सरकार निरंतर प्रयासरत अछि। फेज-टू अंतर्गत बेनीपट्टी विधानसभा क्षेत्रक बेनीपट्टी प्रखंड मे छह उपकेंद्र निर्माणक स्वीकृति प्राप्त भेल अछि। कटैया मे आइ शिलान्यास कयल जा चुकल अछि। एकर अतिरिक्त ब्रह्मपुरा, कपसिया, रजघट्टा, परौल आ नजरा गाम मे सेहो एहि चरण अंतर्गत उपकेंद्र भवनक निर्माण कयल जायत।

ओ कहलनि जे फेज-वन अंतर्गत गत वर्ष बारह उपकेंद्रक स्वीकृति प्रदान कयल गेल छल, जकर भवन निर्माणाधीन अछि। हमर प्रयास अछि जे विधानसभा क्षेत्रक दुनू प्रखंडक सभ गाम मे उपकेंद्र स्थापित भए जाय आ ओ सभ अनुमंडलीय अस्पताल तथा प्राथमिक स्वास्थ्य केंद्र (पीएचसी) सं समन्वित भए जाय।

विधायक कहलनि जे अनुमंडलीय अस्पताल कें एखनहुं अधिक सुदृढ़ बनेबाक आवश्यकता अछि। अस्पताल मे नित नूतन चिकित्सा सेवा प्रारंभ कयल जा रहल अछि। अल्ट्रासाउंड मशीन स्थापित कयल जा चुकल अछि। आब डायलिसिस मशीन 31 मार्च सं पूर्व स्थापित भए जाय, एहि दिशा मे प्रशासन गंभीरतापूर्वक प्रयासरत अछि। एहि लेल स्वीकृति प्राप्त भए चुकल अछि।

श्री झा आगां कहलनि जे एनडीए सरकार गठनक बाद स्वास्थ्य क्षेत्र मे उल्लेखनीय उपलब्धि प्राप्त भेल अछि। गत सत्तर वर्ष मे मात्र छह मेडिकल कॉलेज स्थापित भेल छल, मुदा विगत पांच वर्ष मे बारह मेडिकल कॉलेज निर्माण पूर्ण कए संचालन हेतु तैयार भए चुकल अछि। आगां आबयबला समय मे एहि संख्या मे वृद्धि होयत आ प्रत्येक जिला मे मेडिकल कॉलेज खोलबाक योजना अछि।

ओ कहलनि जे मधुबनी जिलाक झंझारपुर मे मेडिकल कॉलेज आगामी वित्तीय वर्ष मे प्रारंभ होयत। बेनीपट्टी मे सेहो मेडिकल कॉलेज स्थापित हो, एहि हेतु स्वीकृति प्राप्त करबाक प्रयास निरंतर जारी अछि। विधायक इहो कहलनि जे स्वतंत्रता प्राप्तिक बाद लोकक औसत आयु 35 सं 40 वर्ष छल, जे आब बढ़ि कए 70 वर्ष धरि पहुंचि गेल अछि। ई स्वास्थ्य विभागक सतत प्रयास आ चिकित्सा सुविधा विस्तारक प्रतिफल अछि।

ज्ञातव्य अछि जे बिहार मेडिकल सर्विसेज इंफ्राटेक लिमिटेड द्वारा 38 लाख 50 हजार रुपैयाक लागत सँ एहि भवनक निर्माण कयल जायत। भवन प्री-फैब्रिकेटेड संरचना पर आधारित होयत। एहि मे सात कक्ष रहत आ ई पाँच शय्या (बेड) युक्त स्वास्थ्य केंद्र होयत।

अवसर पर कनीय अभियंता राजवर्धन, मुखिया दुलरिया देवी, पितांबर मुखिया, दिनेश झा, मोहन झा, चंदन ठाकुर, प्रो. मदन कुमार कर्ण, जय सुंदर मिश्र, सुशील सहनी सहित अनेक गणमान्य व्यक्ति उपस्थित छलाह।

- Advertisement -spot_imgspot_img
Latest news
- Advertisement -spot_img
Related news

LEAVE A REPLY

Please enter your comment!
Please enter your name here